4 बरनाबास आ साउलके पबितर आत्मा पठेलाके कारन उसब एन्टिओखियासे सिकुलिया सहरमे गेलै। ओतेसे उसब समुन्दरके यातरा पार कैरके साइपरस टपुमे गेलै।
स्तिफनस मारल गेलाके बाद परभु येसुमे बिस्बास करैबलासब उपर जब सताबट बरहे लाग्लै तब चारुदिसन छिरियागेलै आ कोइ फोनिके इलाकामे पुग्लै त कोइ साइपरस टपु त कोइ एन्टिओखिया सहर तक पहुचलै। महज सुरु-सुरुमे उसब यहुदीसबके बिचमे मातरे सुसमाचार परचार करैछेलै।
एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्मा कहल्कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।”
तब उपासे रैहके आ परथना कैरके उसब ओकरौरके उपर हाथ राइखके परथना कैरके पठादेल्कै।
कुछ समय बितलाके बादमे पावल बरनाबासके कहल्कै, “आब अपनासब परमेस्वरके बचन परचार करलहा सहरसबमे फेनो चल आ ओतेका परभुमे बिस्बास करैबला सब भाइ-भैयारीसब केहन छै से जानकारी लेब।”
महज हम अतबे जानैचियै, कि हरेक सहरमे कैद आ सताबट भोगे परतै से बात हमरा पबितर आत्मा गबाही देने छै।
ओतेसे फेनो हमसब पानी जहादमे चललियै आ हबा उलटाकातसे बहैके कारन हमसब साइपरस टपुके सहारा लैत गेलियै।
जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखनेरहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)।