38 तै खातिर भाइ-भैयारीसब, तोरौरके थाह हेबे, कि येसुवेटासे मातर तोरौरके पाप छमा भ्या सकैछौ।
उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ तु ओकर नाम येसु राखिहे, कथिलेत उ आपन लोकसबके ओकरासबके पापसे बचाइतौ।”
तब यरुसलेमसे सुरु कैरके सब जातीसबके ओकर नाममे पस्चाताव आ पाप छमाके परचार हैलेपरतै।
तकर बिहानके युहन्ना येसुके आपन दिसन आबैत देखके कहल्कै, “देख, यि सन्सारके पाप उठाके लजाइबला परमेस्वरके थुमा चियै।
सब अगमबक्तासब येसुके बारेमे गबाही देनेछै, जे कोइ ओकर उपर बिस्बास करतै ओइसबके पाप ओकर नाममे छमा हेतै।”
तब पतरुस एगारहो गोरे सङे ठडा भ्याके जोरसे कहल्कै, “यहुदियाके लोकसब आ यरुसलेममे रहैबला जम्मे लोकसब, तुसब धियान द्याके सुन ओते कथी भेल छेलै से हम तोरासबके बुझाइबौ।
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
“अहैलेल तोरासबके थाह हेबे कि परमेस्वरके यि मुक्ती गैर-यहुदीके लेल पठालगेल छै आ उसब सुन्तै।”
तौरौरके सबकोइ आ इजराएलके सब लोकसबके थाह हेबे, कि तोरेसबके अगा येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ परमेस्वर मरलसे जिबित करल्कै, ओह्या नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे यि लोक तोरासबके अगामे निक भ्याके ठारभेल छौ।
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
ओकर महान अनुगरह अनुसार खिरिस्ट आपन लहु बहेलासे अपनासब उधार आ पाप छमा पाबनेचियै।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
ओकरेमे अपनासबके छुटकारा आ पाप छमा छै।
महज येसुके भेटल सेबाके काम औरो पुजारीसबके कामसे एकदमे सेरेस्ठछै। ओहिनङे परमेस्वर आ ओकर लोकसबके बिचमे येसुके बान्हल लबका करार पुरन्का करारसे सेरेस्ठछै, कथिलेत यि करारके जग उतम परतिग्यासबमे आधारितछै।
बास्तममे बेबस्थाके कहल अनुसार बली चरह्याल लहुसे अक्सरहा सब चिजके सुध करैछै आ लहु बहाइने बिना पापके छमा नै हैछै।
हमर दुलरुवा धियापुतासब, हम तोरासबके यि लिखरहल चियौ, कथिलेत येसु खिरिस्टेसे तोरासबके पाप छमा भेलछौ।