15 मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्तासबके लिखल किताब पढ़लाके बाद, सभाघरके अगुवासब पावल आ बरनाबासके बोल्याके कहल्कै, “हे यौ भैयारीसब! यदी अहाँसबसे लोकसबके साहसके खातिर कुछो कहैले चाहैचियै त, कहु।”
सभाघरके सासकसबमेसे याइरस नामके एकटा लोक येसु लग एलै आ ओकरा देखैत मातर ओकर टाङमे निहुकके गोरलगी करल्कै,
“बप्तिस्मा दैबला युहन्नाके बखत तक मोसाके बेबस्था आ अगमबक्तासबके बातसबके परचार करल्कै। तहै बखतसे परमेस्वरके राजके सुसमाचार परचार भ्यारहलछै, तब सबलोक परमेस्वरके राज भितर बलपुरबक परबेस करैछै।
“हौ, भैयारीसब, धरमसास्तरके बचन पुरा हैकेचाही, जे बचन येसुके पकराबैके लेल लोकसबके अगुवाइ करैबला यहुदाके बिसयमे दाउदके मुहसे पैहनैये पबितर आत्मासे बाजल छेलै।
महज यरुसलेमके बासि आ ओकरौरके सासकसब मुक्तीदाता येसुके नै चिन्हल्कै। अगमबक्तासबके धरमसास्तरमे लिखल बात हरेक बिसराम दिनमे उसब परहल्कै तैयो उसब नै बुझल्कै आ ओकरा मिरतुदन्ड द्याके उ बचन पुरा करल्कै।
कथिलेत मोसाके देल्हा नियम त पैहनैयेसे सहर-सहर आ गाम-गाम परचार करल जाइछै, ओकर लिखल हरेक सभाघरमे परहल जाइछै।”
बहौत देर तक बात-बिचार करलाके बाद, पतरुस उइठके ओइसबके कहल्कै, “हमर भाइ-भैयारीसब, तोरासबके थाहे हेतौ कि बहौत दिन पैहने परमेस्वर तोरासबके बिचसे हमरा अहै खातिर छानल्कै जे गैर-यहुदीके लोकसब हमर मुहसे परभुके सुसमाचार सुने आ बिस्बास करे।
तब यहुदीसब सभाघरके सासक सोस्थेनेसके पकैरके कचहरीयेके अगा मार-पिट करल्कै। महज गलियोन देखियोके कोनो वास्ता नै करल्कै।
सभाघरके सासक किरिस्पस आ ओकर घरके सब लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। कोरिन्थके औरो बहुतो लोकसब पावलके सुसमाचार सुइनके बिस्बास करल्कै आ बप्तिस्मा लेल्कै।
“हौ भाइसब, हमर पुरखा दाउदके बिसयमे हम अहाँसबके पक्का कहैचियै, कि उ मरलै आ गारलगेलै, तब ओकर चिहान आइतक छेबेकरै।
यि बात सुइनके उसब दुखी भेलै आ पछताबे लाग्लै, तब पतरुस आ औरो परेरितसबके उसब कहल्कै, “भाइसब, हमसब कथी करबै?”
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
ओइ इलाकामे पुग्लाकेबाद ओतेका बिस्बासीसबके उत्साह द्याके फेनो ओतेसे उ गिरिस देसमे गेलै।
“हौ भाइ-भैयारी आ बाबुसब, अहाँसबके अगा हम आपन तरफमे जे कहैले चाहैचियै से सुनु।”
जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखनेरहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)।
स्तिफनस जबाब दैत कहल्कै, “हे हमर बाबु आ भाइ-भैयारीसब, सुनु। महिमाके परमेस्वर अपनासबके पुरखा अबराहम हारानमे बास करैसे पैहने जखुन मेसोपोटामियामे रहै तखुन दरसन देने छेलै,
जकरसङे अरति-उपदेस दैबला बरदान छै त, अरति-उपदेस दैबला काम करे, दान दैबला बरदान पाबलहासब खाचोमे परलहासबके उदार-चितसे दान देबे, अगुवाइ करैबला पुरा मन लग्याके अगुवाइ करे, दया करैबला खुसिसाथ लोकसबके दया करे।
महज जे अगमबानी बोलैछै, उ दोसर लोकसबके आत्मिक रुपमे बौकार बनाबैछै, हौसला दैछै आ सान्तबना दैछै।
महज ओइसबके मन कठोर भेलासे आइतक उ पुरन्का करारमे भेल बेबस्था परहैछै त ओइसबके बुझैबला समझ झापल रहैछै, ओहैसे उसब सत बात बुझैले नै सकैछै। आब येसु खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मातरे उ समझ उघरैछै।
कथिलेकी जे सुसमाचारमे बिस्बास कर कैहके आगरह करलियौ उ कोनो खराब वा असुध बिचारसे नै आ नै त कोनो छल-कपटसे छै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हमर अरती देल बातके मान, कथिलेकी हम तोरासबके यि चिठी छोटमे लिखने चियै।