13 पावल आ ओकर सङिसब पाफोस सहरसे पानी जहाद चहैरके पामफिलिया इलाकाके परगा सहरमे पहुचलै आ मरकुस कहाइबला युहन्ना ओतेसे यरुसलेम घुइमके एलै।
यि बात थाह भेलाके बाद, उ मरकुस कहाइबला युहन्नाके माँ मरियमके घरमे गेलै। ओते बहौत बिस्बासीसब जमा भ्याके परथना करैतरहै।
कुछ समय बितलाके बादमे पावल बरनाबासके कहल्कै, “आब अपनासब परमेस्वरके बचन परचार करलहा सहरसबमे फेनो चल आ ओतेका परभुमे बिस्बास करैबला सब भाइ-भैयारीसब केहन छै से जानकारी लेब।”
महज पावल मरकुसके सङे लजाइले इन्कार करल्कै, कथिलेत उ आपन काम पुरा नै कैरके ओइसबके पामफिलियामे छोइरके गेल रहै।
तब फिरिगिया, पामफिलिया, मिसर आ लिबिया देसके एकटा कुरेनी सहर नजदिकके कतहेक ठामसब आ रोमसे एल्हा यहुदी आ यहुदी धरम मानेबलासब दुनु छै,
जब दछिन दिसरसे रसे-रसे हबा बहे लाग्लै तब उसब सोचल्कै कि आब हमसब जाइले सकब। जहाद चलाबैबलासब लङगर खोइलके केरेट टपुके काते-कात हैत जाइले लाग्लै।
किलिकिया आ पामफिलिया इलाकाके नजदिकके समुन्दर पार करैत लुकिया इलाकामे परैबला माइरा सहर पहुच गेलियै।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
हमरसङे त अखुन लुका मातरे छै। मरकुसके तु आपनसङे लेने आबिहे, कथिलेत उ हमर सेबाके काममे बहौत सहायता करतै।