1 एन्टिओखिया सहरके मन्डलीमे अगमबक्तासब आ सिक्छा दैबला लोकसब रहै। उसब बरनाबास, करिया कहाइबला सिमियोन, कुरेनीमे रहैबला लुकियस, रजा हेरोदेसङे पालन-पोसन भेल मनेन आ साउल रहै।
जाइते जाइते सिपाहीसबके कुरेनी निबासी सिमोन नाम भेल्हा लोक भेटलै आ उसब येसुके कुरूस ओकरा जबरजस्ती बोकैले लगाइल्कै।
रोमी महराज तिबेरियस राज करला पन्दरह बरिस भेल छेलै। ओइ बखत पन्तियस पिलातस यहुदिया इलाकाके बडा-हाकिम छेलै। हेरोद गालिल इलाकामे राज करैछेलै, ओकर भाइ फिलिप इतुरिया आ तराखोनितिस इलाकामे राज करैछेलै। अबिलेने इलाकामे लुनियास गामके लोक राज करैछेलै।
अहिनङे उसब उठेल्हा पैसा बरनाबास आ साउलके हाथे यरुसलेम मन्डलीके रेखदेख करैबलासबके पठादेल्कै।
अने बरनाबास आ साउल यरुसलेममे सहयोग करैबला काम पुरा कैरके घुइम एलै। ओकरासबके सङे मरकुस कहाइबला युहन्नोके आनल्कै।
महज साउल, जकरा पावल सोहो कहैछेलै, उ पबितर आत्मासे भरपुर भ्याके ओइ जादुगरके एकटक लग्याके ताकैत कहल्कै,
यहुदा आ सिलास ओहोसब परमेस्वरके तरफसे बोलैबला अगमबक्तासब रहै। उसब परभुमे बिस्बास करैबला भाइ-भैयारीसबके बिस्बासमे मजगुत करैत उत्साह देल्कै।
पावल आ बरनाबास कुछ समय तक एन्टिओखियामे औरो बहौतगोरा सङे मिलके परभुके सिक्छा दैत परचार करैत रहलै।
जब पावल उसबके उपरमे आपन हाथ राखल्कै तब उसब उपर पबितर आत्मा एलै। तब उसब दोसर भसामे बोले लाग्लै आ अगमबानी करे लाग्लै।
ओकरा चारटा कुमाइरे बेटिसब छेलै। उसब अगमबानी बोलै छेलै।
जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखनेरहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)।
साउल परभु येसुके बिस्बासीसबके बिरोधमे धम्कि दैछेलै आ मारैके धुनमे परधान पुजारी लग गेलै,
हमरसङे काम करैबला तिमोथी तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। तहिनङ कैरके हमर यहुदी भाइसब लुकियस, यासोन आ सोसिपातरोस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
जे पुरुख आपन सिर झाइपके परथना या अगमबानी बोलैछै, उ आपन सिरके अपमान करैछै।
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
परेमके कहियो अन्त नै हैछै। अगमबानीसब बितके जेतै, भसासब बन भ्याजेतै आ ग्यान हर्या जेतै।
अगमबानी बोलैबला दुइ या तिन गोरा हेबे आ ओइसबके बोलल बात ठिक छै कि नै छै से औरोसब जाँच करे।
अगमबक्तासबके आत्मा अगमबक्तेसबके अधिनमे रहैछै।
कि हमरा आ बरनाबासके मातरे पेट पालैके लेल काम करैले परतै?
औरो यहुदीसब पतरुसे जखा कपटी बेबहार देखाइल्कै। ओकरासबके बेबहार देखके बरनाबासो बहैक गेलै।
याकुब, पतरुस आ युहन्ना, जेसब मन्डलीके खम्हासब मानल छेलै, उसब हमरा परमेस्वरके देल अनुगरहके पहिचान करल्कै। उसब बरनाबास आ हमरा संगतीके लेल देहना हाथ बनाइल्कै। बरनाबास आ हम गैर-यहुदीसबके बिचमे आ उसब यहुदीसबके बिचमे काम करैले सहमत भेलियै।
वह्या ककरो आपन परेरितसब, ककरो अगमबक्तासब, ककरो परचारकसब, ककरो मन्डलीके देख-भाल करैबला पास्टरसब आ ककरो सिक्छकसब नियुक्त करल्कै।
सब पबितर लोक आ खास कैरके रोमी सरकारके दरबारमे भेल सबलोक तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।
परमेस्वरके अगमबानीके तुच्छ नै ठान।