4 तब हेरोद पतरुसके पकरलाके बाद जहलमे बन कैरदेल्कै आ चार-चार गोरेके चारटा समुह बनाके पहरा द्याके राखल्कै। निस्तार पाबैन ओरेलाकेबाद जनताके सामने आनैके ओकर बिचार छेलै।
“तब लोकसब तोरासबके पकैरके दुख दैकेलेल लजेतौ, तोरासबके मारतौ। तुसब हमरा बिस्बास करैके कारन सब जातीसब तोरासबके दुस्तौ।
महज उसब कहल्कै, “पाबैनके बखत यि काम करनाइ उचित नै छै, नै त लोकसबमे बारका हुलदङा मैच जेतै।”
निस्तार पाबैन आ अखमिरी रोटीके पाबैन हैले दुइ दिन बाकी छेलै। मुल पुजारीसब आ धरमगुरुसब ओकरा कनङ छलसे पकरबै आ मारबै तै दाउमे रहै।
“महज यि सबबातसब हैसे पहिने, लोकसब तोरा पकरतौ, सताइतौ, सभाघरमे लज्याके जिमा लग्यादेतौ आ पकैरके जहलमे द्यादेतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके रजा आ सासकसबके अगामे ठडा करतौ।
पतरुस कहल्कै, “परभु, हम अहाँसङे जहलमे जाइले आ मरैले तयार चियै।”
जब सिपाहीसब येसुके कुरूसमे टाङल्कै, तब ओकर बस्तर ल्याके चार भाग करल्कै आ आपसमे बाटल्कै। ओकर एकटा लाम उपरसे निचा तक बुनल बस्तर छेलै।
हम तोरा साँचेके कहैचियौ, जब तु जबान छेल्ही तब तु आपन गम्छा आपनेसे कसै छेल्ही, जते मन लागैछेलौ ओते जाइ छेल्ही। महज जब तु बुढ हेब्ही तब तु आपन हाथ पसारबिही आ दोसरकोइ तोहर डारमे गम्छा बाइन्हदेतौ आ तोरा जते जाइले मन नै लाग्तौ ओते ल्याजेतौ।
एहेन कामसे यहुदीसब एकदम खुसी भेल देखके उ पतरुसोके पकरल्कै। यि घटना अखमिरी रोटीके पाबैनके समयमे भेल छेलै।
पतरुस जहलमे छेलै महज ओकरलेल मन्डलीके सबकोइ गम्भीर भ्याके परमेस्वरसे निरन्तर परथना कैररहल छेलै।
ओह्यासब करैले अहाँ आपन सक्तिसे आ आपन योजना अनुसार निस्चित करने रहिहे।
तब उसब पतरुस आ युहन्नाके पकरल्कै आ बिहानतक थुनुवामे राखल्कै, कथिलेत ओइ बखत साँझ पैरगेल छेलै।
आ परेरितसबके पकैरके सारबजनिक इस्थानिय जहलमे राइखदेल्कै।
महज अने साउल घर-घरमे ढुइकके बिस्बासी मन्डलीके नास करैले कोसिस करैतरहै। उ मरद आ जनी सबके पकैरके घिस्याइते लज्याके जहलमे ढोइक दैछेलै।