25 अने बरनाबास आ साउल यरुसलेममे सहयोग करैबला काम पुरा कैरके घुइम एलै। ओकरासबके सङे मरकुस कहाइबला युहन्नोके आनल्कै।
यि बात थाह भेलाके बाद, उ मरकुस कहाइबला युहन्नाके माँ मरियमके घरमे गेलै। ओते बहौत बिस्बासीसब जमा भ्याके परथना करैतरहै।
पावल आ बरनाबास कुछ समय तक एन्टिओखियामे औरो बहौतगोरा सङे मिलके परभुके सिक्छा दैत परचार करैत रहलै।
बरनाबास मरकुस कहाइबला युहन्नाके ओइसबके सङे लजाइले इक्छा करल्कै, जकर नाम मरकुस रहै।
जनङ साइपरस देसके लेबी खानदानके योसेफ, जकरा परेरितसब बरनाबास कैहके नाम राखनेरहै (जकर अरथ उत्साह दैबला लोक हैछै)।
हमरे सङे जहलमे रहलहा अरिस्तारखस तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ। बरनाबासके नातामे परैबला मरकुस सेहो गोरलगी पठाइनेछौ। ओकर बारेमे पहिने हम तोरासबके कैहदेनेचियौ, उ एतौ त असलसे स्वागत करिहे।
हमरसङे त अखुन लुका मातरे छै। मरकुसके तु आपनसङे लेने आबिहे, कथिलेत उ हमर सेबाके काममे बहौत सहायता करतै।
ओहिनङे कैरके हमरसङे काम करैबला मरकुस, अरिस्तारखस, डेमास आ लुका सेहो गोरलगी पठाइनेछौ।
अते बेबिलोनमे तोरेसब जखा चुनलगेल मन्डलीके लोकसब आ खिरिस्टमे हमर बेटा मरकुस सेहो तोरासबके गोरलगी पठाइनेछौ।