6 जब हम निकसे ताकलियै त ओइमे घरपोसुवा जानबर, जङली जानबर, ससरैबला जानबर आ अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसब देखलियै।
येसु फेनो ओकर आँखमे आपन हाथ राखल्कै आ उ एकटक लग्याके ताकल्कै। तब ओकर आँखमे रोसनी एलै आ उ फेनो निकसे देखे लाग्लै।
तकरबाद येसु किताब बन करल्कै तब किताब फिरता द्याके बैठ्लै। यहुदी सभाके सब लोकसबके नजर ओकर दिसन छेलै।
ओइ तन्नामे पिरथिबीके सब चैरटेङा जानबरसब, ससरैबला जन्तुसब आ अकासमे उरैबला चिरै-चुरगुनसब छेलै।
पतरुस कहल्कै, “हम योप्पा सहरमे परथना करैत ध्यान-मग्न रहियै। तब एकटा बरका तन्ना जखा चारु खुटमे पकैरके स्वरगसे निचा खसैत हम दरसनमे देखलियै आ उ आइबके हमर कातमे ठहरलै।
तकरबाद हम एकटा एहेन अबाज सुनलियै, ‘ऐ पतरुस उठ आ अकरौरके माइरके खो।’
उ दुनुगोरे ओइ भिखमङाके एकटक भियाइरके ताकैत कहल्कै, “हमरासबके दिसन ताक!”