5 पतरुस कहल्कै, “हम योप्पा सहरमे परथना करैत ध्यान-मग्न रहियै। तब एकटा बरका तन्ना जखा चारु खुटमे पकैरके स्वरगसे निचा खसैत हम दरसनमे देखलियै आ उ आइबके हमर कातमे ठहरलै।
“हम ओतेसे यरुसलेम गेलियै तब मन्दिरमे परथना करैत परभुमे धियानमग्न भेलियै
दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ऐ हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
योप्पा सहरमे एकटा तबिता नामके जनी बिस्बासी रहै, जकरा गिरिक भसामे “डोरकस” कहैछेलै। (जकर मतलब हरिनी चियै।) उ असल काम आ गरिबसबके दान द्याके हरदम सहयोग करैछेलै।
लुड्डा योप्पासे बेसी दुर नै छेलै। चेलासब पतरुस ओतै छै से बात सुइनके ओकरलग दुइ गोरा लोकके अनङ कैहके बिन्ती करैले पठाइल्कै, तब उसब आइबके कहल्कै “परभु, देर नै कैरके अहाँ हमरासबसङे झटसिना आबु।”
यि बात पुरा योप्पामे फैलगेलै, तब ओतेका बहौत लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै।