ओहैसे हम तोरासबके लग अगमबक्तासब, बुधिमान लोकसब आ धरमगुरुसब पठेबौ। तोरासबमेसे कतहेक गोरा ओइसबके मारबिही आ कतहेकके कुरूसमे लटकेब्ही आ कतहेक गोरेके सभाघरमे कोरासे पिटबिही आ एक सहरसे दोसर सहर तक खिहारबिही।
तब ओतेसे उसब पानी जहादमे चहैरके एन्टिओखिया सहरमे गेलै, जते परभुमे बिस्बास करैबला लोकसब बरनाबास आ पावलके परमेस्वरके किरपामे सौपके परचारके काममे पठाइने छेलै, से काम पुरा कैरके एलै।
परमेस्वर मन्डलीमे सबसे पहिने परेरितसब, दोसर अगमबक्तासब, तेसर गुरुसब, तब अचमके काम करैबलासब, बिमारसबके निक करैबलासब, दोसरके सहायता करैबलासब, परसासन चलाइबलासब आ आन भसा बोलैबलासबके नियुक्त करने छै।