स्तिफनस मारल गेलाके बाद परभु येसुमे बिस्बास करैबलासब उपर जब सताबट बरहे लाग्लै तब चारुदिसन छिरियागेलै आ कोइ फोनिके इलाकामे पुग्लै त कोइ साइपरस टपु त कोइ एन्टिओखिया सहर तक पहुचलै। महज सुरु-सुरुमे उसब यहुदीसबके बिचमे मातरे सुसमाचार परचार करैछेलै।
तब पावल आ बरनाबासके ओइसबसङे बहौत कहा-कही आ झगरा भेलाके बाद ओतेका बिस्बासीसब यि सबालके खातिर सरसल्लाह करैले पावल आ बरनाबास आ औरो लोकसबके परेरितसब आ मन्डलीके रेखदेख करैबलासब लग यरुसलेम पठाइले निरनय करल्कै।