18 यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
जब लोकसबके भिर यि देखल्कै तब उसब डरा गेलै आ लोकसबके एहेन सक्ती दैबला परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।
गैर-यहुदीके लोकसब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास करल्कै से बात परेरितसब आ यहुदिया इलाकामे रहैबला परभुमे बिस्बास करैबला लोकसब सुनल्कै।
बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
एन्टिओखिया मन्डलीके सब बिस्बासीसबके ओतेसे जाइले छुट्टी देल्कै। उसब फोनिके आ सामरिया परदेस हैतगेलै आ ओतेका बिस्बासीसब कनङके गैर-यहुदीसब परभुके बिस्बास करल्कै से बातसब बिस्तारमे सुनाइल्कै। यि बात सुइनके ओतेका बिस्बासीसब बहुते खुसी भेलै।
हम यहुदीसब आ गिरिकसब पस्चाताप कैरके परमेस्वर दिसन घुमे आ अपनासबके परभु येसु खिरिस्टमे बिस्बास करे से बातके चेताइने चियै।
पावलके बात सुनलाके बाद उसब परमेस्वरके इस्तुती करल्कै। तकरबाद उसब पावलके कहल्कै, “हौ पाबल भाइ, अते हजारो-हजार यहुदीसब परभुमे बिस्बास कैरके मोसाके देल बेबस्थाके करा साथ पालन करैछै।
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
तैहनङे परमेस्वर आपन सेबक येसुके ठार कैरके सबसे पहिने अहैसब लग पठेल्कै जैसे उ ओइसबके पापके रस्तासे घुम्याके आसिस देल्कै।”
इजराएलके लोकसबके पस्चातापके खातिर आ ओइसबके पापसे छमा दैके खातिर परमेस्वर येसुके परभु आ मुक्तीदाता बनाके आपन देहना कात बैठेल्कै।
हमर कहैके बात यि चियै कि, गैर-यहुदीसब बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके नजरमे धरमी ठहरैले कोसिस नै करल्कै तैयो बिस्बास दुवारा धरमी ठहरलै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सन्सारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै।
उसब हम परिबरतन भेलाके कारन परमेस्वरके परसन्सा करल्कै।