14 उ तोरा बचन सुनाइतौ तब तु आ तोहर पुरा परिबार उदार आ मुक्ती पाबतौ।’
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
कथिलेत मानबके बेटा हरेल्हाके ताकैले आ बचाइले एलछै।”
हम जानैचियै कि ओकर आग्या अनन्त जिबन चियै। ओहैसे पिता हमरा जे कहैले लगाइनेछेलै ओह्या बात हम बाजैचियै।”
येसु परमेस्वरके बेटा, मुक्ती दैबला खिरिस्ट चियै कैहके बिस्बास कर आ बिस्बासके कारन ओकर नाममे तुसब जिबन पाबबिही कैहके यि सब बात अइ किताबमे लिखलगेल छै।
तब उ बुझ्लै जे ठिक ओहै बखत येसु ओकरा कहने छेलै जे, तोहर बेटा निक भ्याजेतौ से जानल्कै। तब उ आपनो आ ओकर सब परिबार येसुमे बिस्बास करल्कै।
जिबन दैबला त परमेस्वरके आत्मा चियै। देहके कोनो महत्व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्वरके आत्मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ।
सिमोन पतरुस जबाफ देल्कै, “हे परभु, हमसब कते जेबै? अहाँसङे अनन्त जिबन दैबला बचन छै।
उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
सब अगमबक्तासब येसुके बारेमे गबाही देनेछै, जे कोइ ओकर उपर बिस्बास करतै ओइसबके पाप ओकर नाममे छमा हेतै।”
ओहै ठाम सिमोन नामके लोक छलाके काम करैबलाके घरमे ठहरल छौ, जकर घर समुन्दरके कातमे छै।”
करनेलियस हमरासबके सुनाइल्कै, एकटा स्वरगदुत हमर घरमे ठार भ्याके एहेन कहैत हम देखलियै, ‘योप्पामे लोकसबके पठाके पतरुस कहाइबला सिमोनके बोल्याके आन।
जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्तिस्मा लेल्कै आ हमरासबके आगरह करल्कै, “यदी अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्ती करेलाग्लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
सभाघरके सासक किरिस्पस आ ओकर घरके सब लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। कोरिन्थके औरो बहुतो लोकसब पावलके सुसमाचार सुइनके बिस्बास करल्कै आ बप्तिस्मा लेल्कै।
कथिलेत यि परतिग्या तोरासबके खातिर, तोरासबके धियापुताके खातिर आ दुर-दुरमे रहैबला सबके खातिर चियै, जकरा सबके परभु परमेस्वर बोलाइछै।”
हँ, हम स्तिफनासके घरके लोकसबके सेहो बप्तिस्मा देलियै। अकर बाहेक, हम औरो ककरो बप्तिस्मा देलियै कि नै देलियै, उ हमरा थाह नै छै।