7 जब ओकरसङे बोलैबला स्वरगदुत चैलगेलै, तब करनेलियस आपन दुइ गोरा नोकर आ एकटा आपन भक्त सिपाहीके बोलाइल्कै।
उ ज्योतिससब गेलाके बाद, परमपरभुके एकटा दुत सपनामे योसेफलग देखा परलै आ कहल्कै, “उठ, बालक आ ओकर माँ के ल्याके मिसर देसमे भाइग जो आ हम तोरा नै कहै तक ओतै रह। कथिलेत हेरोद बालकके मारैले ओकरा खोजी कैररहल छौ।”
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
सिपाहीयोसब पुछल्कै, “हमरासबके कथी करेपरतै?” युहन्ना ओकरासबके कहल्कै, “तुसब ककरोसे जबरजस्ती कैरके आ झुठा आरोप लग्याके एको टका बेसी नै उठा। बरु आपने कमाइमे सन्तुस्ट रहैजाइजो।”
ओहै ठाम सिमोन नामके लोक छलाके काम करैबलाके घरमे ठहरल छौ, जकर घर समुन्दरके कातमे छै।”
उ ओकरासबके सब बात सम्झा बुझ्हाके योप्पामे पठेल्कै।
बिस्बासी भाइ-भैयासब त चियै कैहके दाससब आपन बिस्बासी मालिकके कम आदर नै करौक, बरु उसब औरो निकसे मालिकके सेबा करेपरतै, कथिलेकी सेबासे लाभ पाबैबला मालिकसब ओकरासबके आपने पिरिय बिस्बासी भाइ-भैयासब चियै। तु यि बातसब मन्डलीमे बिस्बासीसबके सिखा आ पालन करैके लेल उत्साह दहै।
आबसे उ दास जखा नै महज दाससे बैढके एकटा पिरिय बिस्बासी भाइ चियौ। हम ओकरा बहौत परेम करैचियै महज आब तु ओकरा एकटा लोकके रुपमे आ एकटा पिरिय बिस्बासी भाइके रुपमे औरो बेसिसे परेम कर।