48 तब पतरुस ओइसबके येसु खिरिस्टके नाममे बप्तिस्मा लैले आग्या करल्कै। तब उसब पतरुसके कन्हिक दिन हमरेसबसङे रहु कैहके अनुरोध करल्कै।
(बास्तममे येसु आपनसे ककरो नै बप्तिस्मा देने रहै, बप्तिस्मा दैबला काम त ओकर चेलासब करैछेलै।)
तब उसब येसुके भेटैले एलै आ हमरासबसङे बैठु कैहके बिन्ती करल्कै, तब येसु ओइसबसङे दुइ दिन ओतै रहलै।
जब उ आ ओकर घरके सबलोक बप्तिस्मा लेल्कै आ हमरासबके आगरह करल्कै, “यदी अहाँसब साँचोके हमरा परभुके बिस्बासी कहैचियै त हमर घरमे आइबके रहु।” आ उ हमरासबके जबरजस्ती करेलाग्लै ताकि हमसब ओकर घरमे जाइ।
यि बात सुइनके उसब परभु येसुके नाममे बप्तिस्मा लेल्कै।
पतरुस ओइसबके कहल्कै, “पस्चाताप कर आ तोरौरके पापसे छमा पाबैके खातिर येसु खिरिस्टके नाममे तोरौरके सबकोइ बप्तिस्मा ले, तोरासबके पबितर आत्माके बरदान पाबबिही।
जब उसब फिलिपके सुन्याल सुसमाचारसे परमेस्वरके राज आ येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करल्कै, तब मरद आ जनिसब बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
कथिलेत तखुन तक ओकरासबमेसे कोइ नै पबितर आत्मा पाबने रहै। उसब मातरे परभु येसुके नाममे बप्तिस्मा लेने रहै।
तोरासबमेसे जतहेक गोरे खिरिस्टमे बप्तिस्मा लेनेचिही, तु सबकोइ खिरिस्टके धारन करनेचिही।