47 तब पतरुस कहल्कै, “योहो लोकसब हमरासब जखा पबितर आत्मा पाबलाके कारन आब यि लोकसबके पानीके बप्तिस्मा लैले के रोके सक्तै?”
पतरुस बाजते खिना बचन सुनैबला सबके उपर पबितर आत्मा एलै।
तब उ सबगोरे पबितर आत्मासे भरलै आ पबितर आत्माके सक्तिसे उसब आन भसासबमे बोले लाग्लै।
जब उसब फिलिपके सुन्याल सुसमाचारसे परमेस्वरके राज आ येसु खिरिस्टके नाममे बिस्बास करल्कै, तब मरद आ जनिसब बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
उसब रस्तामे जाइते-जाइते पानी भेल ठाममे पुग्लै। उ मुन्सी कहल्कै, “देखु, अते पानी छै, आब हमरा बप्तिस्मा लैले कोन चिज रोके सक्तै?”
यहुदी आ गैर-यहुदी जातीमे कोनो फरक नै छै। उसबके एके परभु चियै आ ओकरा पुकारैबलासबके उ परसस्त कैरके आसिस दैछै।
ओकर खतना बिस्बास दुवारा धरमी ठहरल चेन्हा चियै। अहिनङ कैरके उ खतना नै करल महज परमेस्वरमे बिस्बास कैरके धरमी ठहरैबला लोकसबके आत्मिक पुरखा भेलै।