39 यहुदिया आ यरुसलेममे ओकर करल कामसबके हमसब साक्छी चियै। उसब ओकरा कुरूसमे लटकाके माइरदेल्कौ।
उसब जे सुरुवेसे बचनके साकछात साक्छी आ सेबकसब छेलै, यि बात उसब हमरासबके कहल्कै।
तुहिसब यि बातके साक्छी चिही।
तुहुसब हमर बारेमे गबाही देब्ही, कथिलेकी तुसब सुरुवेसे हमरसङे चिही।”
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
सबलोकके उ देखाब नै देल्कै महज हमरासबके उ पैहनैयेसे साक्छीके खातिर छान्ने रहै। उ मिरतुसे जिबित भ्याके उठलाके बाद हमसब ओकरसङे खान-पिन करलियै।
गालिल इलाकासे ओकरसङे यरुसलेममे एल्हासब लग बहौत दिनतक ओकर देखाब दैत रहलै। अखुन्तो उसब इजराएलके लोकसबलग ओकर साक्छी छेबेकरै।
“अहै येसुके परमेस्वर जिबित करल्कै। यि हम सबकोइ अकर साक्छी चियै।
तौरौरके सबकोइ आ इजराएलके सब लोकसबके थाह हेबे, कि तोरेसबके अगा येसुके कुरूसमे लटकेल्कै आ परमेस्वर मरलसे जिबित करल्कै, ओह्या नासरतके येसु खिरिस्टके नाममे यि लोक तोरासबके अगामे निक भ्याके ठारभेल छौ।
कि अगमबक्तासब मेसे ककरा नै तोरौरके पिता-पुरखासब सतेल्कौ? परमेस्वरके पबितर धारमिक सेबकके आबैसे पैहने भबिसबानी करैबलासबके खुन कैर देल्कौ आ तुसब ओहै धरमी सेबकसबके पकराके ओकरा खुन कैर देल्ही।
खिरिस्ट अपनासबके खातिर सरापित भ्याके अपनासबके बेबस्थाके सरापसे मोल तिरके छुटकरा देल्कै, कथिलेत पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “काठमे लटक्याल लोक सरापित हैछै।”
हमसब पापके लेल मैरके धारमिकताके लेल जियैले सकि कैहके खिरिस्ट अपनासबके पापसबके खातिर आपन देहमे पाप बोइकके कुरूसमे मरलै। ओकर चोटसबसे तुसब निक भेलचिही।