38 कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
जब येसु आपन बिरोधमे सल्लाह करैबला बात थाह पाबल्कै तब ओतेसे निकैलके चैलगेलै आ बहुतो लोकसब ओकर पछा लाग्लै। तब येसु सब रोगी-बिमारीसबके निक करल्कै।
महज हम परमेस्वरके आत्मासे भुतसब निकालैचियौ त परमेस्वरके राज तोरासबमे आइबगेलछौ से जान।
येसु उठलै आ आपन चेलासबसङे ओकर पछा पछा गेलै।
येसु सब सहर-सहर आ गाम-गाम घुमे लाग्लै। उ यहुदीसबके सभाघरसबमे सिक्छा दैत, परमेस्वरके राजके सुसमाचार सुनाइत आ लोकसबके हरेक किसिमके रोग-बिमारसे निक करैत गेलै।
ओइसबमे कन्हिकरो बिस्बास नै देखके येसु छक्के परलै। तब उ गाम-गाममे सिक्छा दैत गेलै।
आ पबितर आत्मा पौरकी के रुपमे उपरसे आइबके येसुके उपर बैठलै तब स्वरगसे एहेन एकटा अबाज एलै, “तु हमर दुलरुवा बेटा चिही, तोहर से हम बहुत खुसी चियौ।”
“परमपरभुके आत्मा हमर उपरछै, गरिबसबके सुसमाचार सुनाइले उ हमरा अभिसेक कैरके पठाइने छै। बन्धनमे परलसबके छुटकाराके लेल, अन्हरासबके आँख देखैके लेल, अत्याचारमे परलाहासबके सोतन्तर करैके लेल,
महज ओइ बालकके येसु लग आनैबखत भुत आत्मा ओकरा पटैकके मुह भुँइयामे घोसियाइले लाग्लै। महज येसु ओइ भुत आत्माके हकारल्कै आ ओइ बालकके निक कैरके ओकर बाबुके जिमा लग्या देल्कै।
तकरबाद उसब दोसर गाम दिसन गेलै।
महज येसु ओइसबके कहल्कै, “हम तोरासबके हमर पितासे बहुतो अजगुतके कामसब कैरके देखेलियौ, ओइसबमेसे कोन कामके लेल तुसब हमरा पथलसे मारैले चाहैचिही?”
देख! समय आइबरहल छै, हँ, लग चैलएलै, जब तुसब चारुदिसन छिरिया जेब्ही। तुसब भाइगके आपन-आपन घर जेब्ही महज हमरा असगरे छोइर देब्ही। तैयो हम असगरे नै चियै, कथिलेत हमरसङे पिता छै।
राइतमे उ येसु लग आइबके कहल्कै, “गुरु जी, अहाँ परमेस्वरके पठाल गुरु चियै से हमसब जानैचियै, कथिलेत अहाँके करल अजगुतके कामसब जखा कोनो लोक परमेस्वरके सहायता बेगर करैले नै सक्तै।”
परमेस्वरसे पठाएल लोक परमेस्वरेके बात बाजैछै कथिलेत परमेस्वर ओकरा आपन आत्मा भरपुर कैरके दैछै।
नास हैबला भोजनके खातिर मेहनत नै कर महज अनन्त जिबन तक रहैबला भोजनके लेल मेहनत कर, जे मानबके बेटा तोरासबके देतौ। कथिलेत परमेस्वर पिता ओकर उपर आपन छाप लगादेनेछै।”
अहाँसबके थाहे हेत कि युहन्नासे बप्तिस्माके परचार करलाके बाद, गालिलसे सुरु कैरके सरा यहुदिया भैर कथी कथी घटना भेलै।
“इजराएलके लोकसब, यि बात सुन, नासरतके येसु एहेन लोक छेलै, जकरा परमेस्वर सक्तिसाली कामसब, अच्चमके कामसब आ चेन्हासबसे तोरौरके अगा साबित करल्कौ। तोरौरके थाहे छौ कि परमेस्वर तोरासबके बिचमे यि सब कामसब ओकरसे कराइने छै।
जे असल छै तकरा अहाँ परेम करैचियै आ जे खराब छै तकरा घिरना करैचियै। अहैलेल परमेस्वर, अहाँके परमेस्वर अहाँके सङीसबसे बेसी सरेस्ठ अहाँके ठहराइनेछै आ तेलसे अभिसेक कैरके आनन्द देनेछै।”
होसियार रह आ जागल रह, कथिलेकी तोरासबके दुस्मन सैतान ककरा भेटाइबै आ ख्यालेबै कैहके गरजैबला सिंह जखा खोजैत घुमैछै।
महज खिरिस्ट तोरासबके पबितर आत्मा देनेछौ आ सत बात तुसब जानैचिही।
फेनो-फेनो पाप करैबलासब सैतानके लोक चियै। कथिलेत सैतान सुरुवेसे पाप करैत एलछै। अहै खातिर सैतानके काम नास करैले परमेस्वरके बेटा परगट भेलछै।