31 आ कहल्कै, ‘करनेलियस, परमेस्वर तोहर परथना सुन्नेछौ आ तोहे गरिबसबके दान करल असल कामसब उ जानैछै।
महज स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “ए जकरिया, नै डेरा! तोहर परथना परमेस्वरमे सुइकार भेलछौ। आब तोहर घरबाली एलिसिबा तोहर लेल एकटा बेटा जलमाइतौ, तु ओकर नाम युहन्ना राखिहे।
तब करनेलियस जबाब दैत कहल्कै, “चार दिन अगाके बात चियै। दिनके तिन बजे हम आपने घरमे परथना करैत रहियै। एकाएक चम्कैबला बस्तर पिन्हल एकटा लोक हमर अगामे ठार भेलै,
आब तु अनङ कर, योप्पा सहरमे एल्हा पतरुस कहाइबला सिमोनके बोलाइले पठा। उ समुन्दर कात छलाके काम करैबला सिमोनके घरमे ठहरल छौ।’
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
हम पाबैबलासे बेसी पाबनेचियै। इपाफोरोडिटसके हाथसे पठ्याल तोरासबके गमगम करैबला, परमेस्वरके मनपरैबला आ गरहन योग्य भेटी पाइबके हम सन्तुस्ट भेलचियै।
तुसब परमेस्वरके लोकसबके सेबा कैरते परमेस्वर परती आपन परेम देखाइनेचिही आ अखुनो अहिनङ सेबा करैत आइबरहलचिही। परमेस्वर अनियाय नै करैछै। तोरासबके करल यि सेबा आ परेमके उ कहियो नै बिसरतै।
तकरबाद उ चारटा जिबित परानीसब आ चौबिसटा धरमगुरुसब अगा आइबके निहुक गेलै। सबके हाथमे एक-एकटा बजाबैबला बिना आ धुप गमकसे भरल सोनाके बाटी छेलै, उ धुपके गमक त परमेस्वरके लोकसबके चरहाल बिन्ती परथना चियै।