27 तब पतरुस करनेलियस सङे बात करैत घर भितर ढुकलै। ओते बहौत लोकसबके जम्मा भेल देखल्कै।
उसब आइ काइल घटल घटनाके बारेमे बातचित करतै जाइ छेलै।
तुसब कहैचिही, ‘बाली पाकैले औरो चार महिना लाग्तै’ महज हम तोरासबके कहैचियौ नजैर पसाइरके देख, बाली पाइक गेल्छै आ काटे जोकर भ्यागेलछै।
तेसरदिन उसब कैसरिया पुग्लै। करनेलियस आपन कर-कुटुमसब आ लगके सङि-साथीसबके बोलाके ओकरासबके लेल असियाल रहै।
बरनाबास आ पावल एन्टिओखियामे पुग्लै तब ओते मन्डलीके सब बिस्बासीके बोलाइल्कै। तब ओइसबके सुनाइल्कै जे परमेस्वर ओकरासबसङे केहन-केहन काम करल्कै आ कनङके उ गैर-यहुदीसबके खातिर बिस्बासके केबार खोइलदेल्कै।
हमर बिरोध करैबलासब बहुतो भेलोपरभी परभाबसाली कामके लेल एकटा बरका केबार हमर लेल खुइल गेलछै।
जब हम तरोआस सहरमे खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैले एलियै तब परभु हमर लेल दुवार खोइलदेने छेलै।
खिरिस्टके रहसके बात लोकसबके परचार करैले परमेस्वर केबार उघाइरदेबे कैहके हमरासबके लेल सेहो परथना कर। अहै रहसके परचार करैके कारनसे हम जहलमे परल चियै।