2 उ परमेस्वरके भक्त छेलै। उ आ ओकर परिबारके सब सदस परमेस्वरके डर मानैबला लोकसब रहै। उ गरिबसबके उदारचितसे दान करैछेलै आ परमेस्वरसङे लगातार परथना करैतरहै छेलै।
ओहिनङ दुइटा डलर पाबैबला नोकर सेहो औरो दुइटा सोनाके डलर कमाइल्कै।
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
यरुसलेममे सिमियोन नामके एकटा लोक छेलै। उ इजराएलके बचाबैबला लोकके आसमे रहै आ उ धरम-करम करैबला लोक रहै, पबितर आत्मा ओकरसङे छेलै।
उसब जबाब देल्कै, “हमरासबके कप्तान करनेलियस पठाइनेछै। उ धरमी आ परमेस्वरके डर मानैबला लोक चियै। ओकरा यहुदियो जातीसब आदर करैछै। एकटा स्वरगदुतसे आदेस मिलल छै जे तोरा आपने घरमे बजाके तोहरसे उपदेस सुन्तौ।”
आ कहल्कै, ‘करनेलियस, परमेस्वर तोहर परथना सुन्नेछौ आ तोहे गरिबसबके दान करल असल कामसब उ जानैछै।
महज कोनो जातीके लोक हेबे, असल काम करैबला आ ओकर डर मानैबलासबके परमेस्वर मन पराइछै।
करनेलियस स्वरगदुत दिसन डेरा-डेराके ताकल्कै आ कहल्कै, “कहु परभु” स्वरगदुत कहल्कै, “तोहर परथना आ गरिबसबके उपर देख्याल दयाके कामसब परमेस्वर देख्ने छौ। परमेस्वर तोहर सब असल कामके भेटीके रुपमे सुइकार करनेछौ।
जब ओकरसङे बोलैबला स्वरगदुत चैलगेलै, तब करनेलियस आपन दुइ गोरा नोकर आ एकटा आपन भक्त सिपाहीके बोलाइल्कै।
उ तोरा बचन सुनाइतौ तब तु आ तोहर पुरा परिबार उदार आ मुक्ती पाबतौ।’
तब पावल ठडा भेलै आ हाथके इसरा करैत कहल्कै, “हे इजराएलके बासिसब आ परमेस्वरमे बिस्बास करैबला सबगोरा, किरपा कैरके हमर बात सुन,
“ऐ, अबराहमके कुलके धियापुता आ ओकरौरके परमेस्वरके डर मानैबला चाहे उ आने जातीके कियनै हेबै, कथिलेत यि मुक्तीके खबर परमेस्वर अपनासबके खातिर पठाइने छै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
सभाघरके सासक किरिस्पस आ ओकर घरके सब लोकसब परभुमे बिस्बास करल्कै। कोरिन्थके औरो बहुतो लोकसब पावलके सुसमाचार सुइनके बिस्बास करल्कै आ बप्तिस्मा लेल्कै।
ओइ बखत सन्सारके सब देसके यहुदी धरमी लोकसब यरुसलेममे रहैत रहै।
“दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरे हमरसे भेटघाट करैले एलै। उ मोसाके नियमके पालन करैबला धरमी लोक रहै आ दमस्कसमे रहैबला सब यहुदीसब ओकरा बहुत आदर करैतरहै।
परमेस्वरके भक्तसब स्तिफनसके लहासके लज्याके गार देल्कै आ ओकरलेल बहौत सोक करल्कै।
परभु आग्या करैत कहल्कै, “उठ आ सोझ्का गल्ली नामके रस्तामे जो आ यहुदाके घरमे टारससके बासि साउल नामके लोकके खोज, ओते उ परथना कैर रहल छौ।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
योप्पा सहरमे एकटा तबिता नामके जनी बिस्बासी रहै, जकरा गिरिक भसामे “डोरकस” कहैछेलै। (जकर मतलब हरिनी चियै।) उ असल काम आ गरिबसबके दान द्याके हरदम सहयोग करैछेलै।
तुसब सचेत भ्याके धन्यबादी हिरदयके साथ परथनामे लागल रह।
लगातार परथना करैतरह।
महज तोरौरके बिचमे ककरो-ककरो बुइधके कमी छौ त उ परमेस्वरसे माङे आ परमेस्वर तोरासबके उदार चितसे परसस्त कैरके देतौ।
हे परभु, अहाँके डर के नै मानैछै? आ अहाँके नामके महिमा के नै करैछै? कथिलेकी अहाँ मातरे पबितर चियै। सब जातीके लोकसब आइबके अहाँके अगा आराधना करतै, कथिलेत अहाँके धारमिक कामसब परकट भेलछै।”