19 जब पतरुस दरसन बुझहैके कोसिस करैतरहै तब पबितर आत्मा ओकरा कहल्कै, “देख, बाहर देहरीमे तोरा तिनटा लोक ताकैछौ।
महज सतके आत्मा जब एतौ तब उ तोरासबके सब बातसब बुझाइतौ। उ आपने दिसनसे बात नै करतौ महज उ जे सुन्तौ, ओह्या तोरासबके कहतौ तब पाछे हैबला बातसब सोहो कहतौ।
आ उसब चाल कैरके पुछल्कै, “कि सिमोन कहाइबला पतरुस नामके लोक अते छै?”
एक दिन करनेलियस दिनके तिन बजे परमेस्वरके एकटा स्वरगदुतके दरसनमे अस्पस्ट रुपसे देखल्कै। स्वरगदुत आइबके करनेलियसके कहल्कै, “ऐ करनेलियस।”
कोनो सङका नै कैरके ओकरौरके सङे जाइले हमरा पबितर आत्माके अगुवाइ भेलै। यि छबो गोरा बिस्बासीसब सोहो हमरसङे गेल रहै आ हमरौरके सब गोरा करनेलियसके घरमे ढुक्लियै।
एक दिन उसब उपासे रैहके परभुके आराधना करैबखत पबितर आत्मा कहल्कै, “सुन, जै कामके खातिर हम तोरासबके बोलाइने चियौ, ओहै कामके खातिर बरनाबास आ साउलके चुन।”
बहौत देर तक बात-बिचार करलाके बाद, पतरुस उइठके ओइसबके कहल्कै, “हमर भाइ-भैयारीसब, तोरासबके थाहे हेतौ कि बहौत दिन पैहने परमेस्वर तोरासबके बिचसे हमरा अहै खातिर छानल्कै जे गैर-यहुदीके लोकसब हमर मुहसे परभुके सुसमाचार सुने आ बिस्बास करे।
हमसब ओते बिस्बासीसबके भेटलियै आ ओकरासबसङे सात दिनतक ओतै रहलियै। पबितर आत्माके अगुवाइ पाइबके उसब पावलके यरुसलेममे नै जाइले बिन्ती करल्कै।
तहै बखत पबितर आत्मा फिलिपके कहल्कै, “अगा बैढके ओइ रथके सङे-सङे जो।”
यि सब एके पबितर आत्माके काम चियै। उ आपन इक्छा अनुसार सब कोइके अलग-अलग किसिमके बरदान दैछै।
पबितर आत्मा साफ-साफ कहैछै कि अन्तके दिनसबमे अहिनङो लोकसब हेतै जेसब बिस्बाससे पछा हटतै। उसब छल करैबला आत्माके आ भुतसबके देल सिक्छा मान्तै।