7 येसु ओकरासबके कहल्कै, “परमेस्वर आपन अधिकारसे तोकल तिथी आ मिती तोरासबके जानैके जरुरी नै छौ।
तब येसु फेनो कहल्कै, “हँ, हमर पियैबला दुखके बाटीसे तुसब पिब्ही, महज हमर देहना आ बमा कातमे बैठे दैके अधिकार हमर हाथमे नै छै। उ ठाम ओइसबके चियै, जकर खातिर हमर पिता तैयार करने छै।”
“महज उ संकटके दिन आ घरी कहिया एतै से ककरो नै थाहछै, नै स्वरगदुतसबके नै परमेस्वरके बेटाके, परमेस्वर पिता मातरे जानैछै।
महज आपन देहना कात आ बमा कात बैठाबैके अधिकार हमरा नै छै। परमेस्वर यि ठाम जैसबके खातिर तैयार कैररहलछै, उ ओइसबके खातिर चियै।”
“महज उ दिन आ उ बखत कहिया एतै से ककरो नै थाहछै, नै स्वरगदुतसबके नै परमेस्वरके बेटाके, मातरे परमेस्वर पिता जानैछै।
दुस्मनसब ओइसबके तरबारसे काइटके मारतौ। ओकरा बन्दी बनाके देस-देसमे ल्याजेतौ। तब आन जातसे समय पुरा नै छै तक उसब यरुसलेमके टाङके तरमे दाइबके राख्तौ।”
ओह्या परमेस्वर जे एक गोरासे पुरे सन्सारमे लोकसब रहे कैहके सब जातीसबके सिरिस्टी करल्कै। ओइसबके औरदा आ रहैबला ठाम पैहनैयेसे तोइकदेने छै।
समयमे पुरा भेलाके बाद स्वरग आ पिरथिबीमे सिरिस्टी भेल्हा सब चिज खिरिस्टके अधिनमे आबे।
परमधन्य परमेस्वर जे सारा सक्तीके मालिक, रजा सबके रजा आ परभु सबके परभु चियै, वह्या परभु येसु खिरिस्टके ठिक समयमे फेनो पठेतै।
महज अन्तके दिनसबमे दुखके समय एतौ से बात तुसब जान।