येसु यि बातसब कहते रहलै, कि तखनिए यहुदा जे ओकर बारह गोरा चेलामेसे एकटा छेलै से एलै। ओकरसङे लाठी आ तलबार लेने लोकसबके एकटा भिर छेलै। ओइसबके मुल पुजारीसब आ अगुवासब पठेने छेलै।
जब हम सन्सारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।
ओकरासबके भितरमे रहल खिरिस्टके आत्मा खिरिस्टके दुख भोगेपरतै आ पछा आबैबला महिमाके बारेमे पहिनेसे भबिसबानी करने रहै। तब उ समय कहिया आ कनङके एतै कैहके उसब खोज-तलास करने छेलै।