14 ओइमेसे कतहेक छौरी-मौगी आ येसुके माँ मरियम आ ओकर भाइसब सङे उसब एके मनके भ्याके लगातार परथना करैतरहै।
जब येसु भिरके लोकसबसङे बात कैररहल छेलै तखैन ओकर माँ आ भाइसब ओते एलै आ ओकरसे बात करैके लेल बाहरमे असियाल छेलै।
तुसब बिस्बास कैरके परथनामे परमेस्वरसे जे माङबिही से तुसब पाबबिही।”
बहौत जनिसब सेहो ओतै छेलै, उसब दुरेमे ठार भ्याके यि घटनासब देखैछेलै। उसब येसुके सेबा टहल करैत गालिल परदेससे पछुवाइत एलछेलै।
जनिजाइतोसब दुरेसे ठार भ्याके देखरहल छेलै। ओइसबमेसे मरियम मग्दलिनी, छोट याकुब आ योसेसके माँ मरियम आ सलोमी सेहो छेलै।
पबितर बिसरामके दिन बितलाके बाद मरियम मग्दलिनी, याकुबके माँ मरियम आ सलोमी येसुके लहासमे लगाबैले गमकौवा तेल आ अतर किनल्कै।
तुसब खराब हैतोपरभी आपन धियापुतासबके असल चिजसब दैले आबैछौ त, औरो तोरासबसे बेसी स्वरगमे रहैबला पिता, ओकरसङे माङेबलाके पबितर आत्मा दैछै!”
तकरबाद चेलासबके सबदिन परथना करे आ निरास नै हेबे कैहके येसु ओइसबके एकटा खिसा कहल्कै,
महज ओकरा चिन्है जानैबलासब आ गालिली दिसनसे ओकर पछा-पछा आबैबाली जनिजाइतसब दुरेमे ठडा भ्याके यि सब घटनासब देखरहल छेलै।
गालिलसे येसुसङे एल्हा जनिजाइतसब योसेफके पछा-पछा गेलै आ ओइ सरामे ओकर लहास कनङके राख्लछै सोहो देखल्कै।
ओइ जनिजाइतसबमे मरियम मग्दलिनी, योअन्ना आ याकुबके माँ मरियम छेलै। ओकरेसबसङे रहल औरो जनिजाइतोसब यि बात परेरितसबके कहल्कै।
तहै बखत उसब उठके यरुसलेम दिसन घुइमके गेलै। ओते एगारहो चेलासब आ ओइसबसङे जमा भेल्हा लोकसबके भेटलै।
तब उसब लगातार मन्दिरमे जमा भ्याके परमेस्वरके इस्तुति-परसन्सा करैत रहलै।
येसुके कोइ कहल्कै, “अहाँके माँ आ भाइसब अहाँके भेटैले बाहरमे असियालछै।”
जब पेन्तिकोस पाबैनके दिन एलै, परभु येसुमे बिस्बास करैबला सबकोइ एके ठाममे जम्मा भेलरहै।
उसब परेरितसबके उपदेस सुनैले, संगती, परभु भोज आ परथना करैले भक्तिसाथ लागल रहै।
उसब एकेमन भ्याके सबदिन मन्दिरमे जमा हैछेलै, घर-घरमे परभु भोज करै आ सबकोइ खुसी मनसे मिल-जुइलके खाइछेलै,
तब अपनासबके परथना आ परमेस्वरके बचनके सिक्छा दैबला काममे पुरा समय लागल रहबै।”
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
तैखातिर जे आन भसामे बोलैछै, तकर अरथ बताबैके बरदानके लेल उ परथना करे।
तुसब पबितर आत्माके सक्तीमे हर बखत परमेस्वरसे परथना कर। होसियार आ लगनसिल भ्याके हरदम खिरिस्टके पबितर जनसबके खातिर परथना करैतरह।
तुसब सचेत भ्याके धन्यबादी हिरदयके साथ परथनामे लागल रह।