7 कथिलेकी उसब परभुके नामके परचार करैले अगा बरहल छै आ परभुके नै चिन्हैबला सबसे कुछो सहयोग नै लेने छै।
हमर नाममे बिस्बास करलाके खातिर उसब तोरासबके यि सब सताइबला काम करतौ, कथिलेत उसब हमरा पठाइबला पिताके नै चिन्हैछै।
हम कोनो लोकके सोना-चानी या बस्तरसबके लोभ नै करलियै।
हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
तब येसुके नाममे अपमान सहैके योग्य चियै कैहके खुसी मनाइत उसब महासभामे गमलिएलके बात मानैत निकैलके गेलै।
तब जे बिस्बासीसब छिरिया गेल रहै उसब घुइम-घुइमके सब इलाकामे चारुदिसन ज्याके परभुके बचन परचार करल्कै।
कथिलेकी हमर नामके खातिर ओकरा कतहेक दुख भोगे परतै, आब हम ओकरा देखाइबै।”
आब हमर इनाम कि चियै त? हक अनुसार पाबैबला कोनो पैसा नै ल्याके फोकटमे सुसमाचार परचार कैरके पाबैबला आनन्दे हमर इनाम चियै।
औरो मन्डलीके तुलनामे हम तोरासबके कोन बातमे नै निक बेबहार करलियौ? हँ, हम तोरासबके लेल बोझ नै भेलियौ। एह्या हमर गल्ती चियै, अइमे हमरा छमा कैरदे।
हमसब आपने बारेमे परचार नै करैचियै, महज येसुके खातिर हमसब तोरासबके सेबक भ्याके, येसु खिरिस्टे परभु चियै कैहके परचार करैचियै।
ओहैसे परमेस्वर ओकरा सबसे उच बनाइल्कै आ ओकरा उ नाम देल्कै, जे सबनामसे उच छै।
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
ओहैसे आपन बिस्बासीसब एहेन लोकसबके मदत करेपरतै, ताकी सतके सिक्छामे सहकरमी भ्यासकी।
हमरा थाहछै, तुसब धिरज कैरके सहन करनेचिही आ हमर नाउके खातिर कस्ट पाबियोके हमरा नै त्यागने चिही।