14 अहै खातिर अपनासबके सुनाएल सुसमाचारसे परमेस्वर तोरासबके बोलाइल्कौ। हमरासबके परभु येसु खिरिस्टके महिमा तोरोसबके मिले कैहके उ तोरासबके बोलाइनेछौ।
मालिक कहल्कै, ‘स्याबास! तु असल आ बिस्बास योग्य नोकर चिही। थोरबे चिजमे तु बिस्बास योग्य रहलिही। आब हम तोरा बहौत चिजके जिमा देबौ। हमरासङे आनन्द मना।’
जे महिमा अहाँ हमरा देनेचियै, ओह्या महिमा हम ओइसबके देनेचियै, ताकि जहिनङे हम आ अहाँ एक चियै तहिनङे ओहोसब एक हेबे।
“हे पिता, हम इक्छा करैचियै कि, जकरासबके अहाँ हमरा देनेचियै, सेसब हमरसङे रहे आ हमर महिमा देखे, जे महिमा सन्सार सिरिस्टी हैसे पहिने अहाँ हमरा परेम करलाके कारनसे देनेछेलियै।
आब अपनासबके परमेस्वरके आदर आ सम्मान हेबे। हमर करल खिरिस्टके सुसमाचार परचारसे उ तोरासबके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकलछै। येसु खिरिस्टके बारेमे हमर करल परचार, जे जुगो-जुगसे घोसाइरके राखल छेलै, आब परकट भेलछै।
यि बातसब ओइ दिन हेतै जै दिन परमेस्वर हमर करल सुसमाचार परचार अनुसार येसु खिरिस्ट दुवारा लोकसबके हिरदयमे रहल गुप्त बातसबके नियाय करतै।
हमसब परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै त ओकर हकबला सेहो चियै, परमेस्वरके हकबला आ खिरिस्टसङे सझिया हकबला हेबै। यदि हमसब खिरिस्टसङे दुख-कस्ट भोग्बै त ओकरेसङे आदर-सम्मानमे सेहो सहभागी हेबै।
हम एहो परथना करैचियौ कि, तोरासबके हिरदयके आँख खुले आ कोन आसाके लेल उ तोरासबके बोलेल्कौ आ पबितर जनसबमे ओकर महिमीत उतराधिकारके सम्पैत कि चियै, से तुसब जानैले सक।
कथिलेकी जे सुसमाचार हमसब सुनेलियै उ सब्द मातरे नै महज सक्तीके साथ, पबितर आत्माके साथ आ पुरे निस्चयताके साथ एलै। जखन हमसब तोरासबके सङे रहलियै त केहेन चालचलनके जिबन जिलियै से तोरासबके थाहे छौ।
तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नजरमे योग्य हेबे से उदेस्यसे हमसब तोरासबके अरतिउपदेस, उत्साह आ बिन्ती करैत रहलियौ। कथिलेकी परमेस्वर आपन राज आ महिमामे तोरासबके सहभागी हैकेलेल बोलाइछौ।
यदी हमसब ओकरसङे दुख भोग्बै त, हमरौरके ओकरेसङे राज करबै। हमसब ओकरा इन्कार करबै त, ओहो हमरौरके इन्कार करतै।
तुसब कुछ समय कस्ट भोग्लाके बाद, अनुगरहसे भरल अपनासबके परमेस्वर, जे तोरासबके खिरिस्टमे अनन्त महिमामे सहभागी हैकेलेल बोलाइनेछौ। उ आपनेसे तोरासबके फेनसे अस्थापना करतौ, सिध करतौ, बलगर बनाके अस्थिर कराइतौ।
आपन महिमा आ भलाइसे अपनासबके बोलाइबलाके हमसब जानैके कारन परमेस्वरके इस्वरीय सक्तिसे जिबन आ भक्तीके लेल अपनासबके आवसेक परल सब चिज परमेस्वर देनेछै।
उ सहरमे इजोतके लेल सुरुज आ चानके आबस्यक नै छै, कथिलेत परमेस्वरके महिमा ओतेका इजोत चियै आ थुमा आपने चिरखा चियै।
जे जित्तै, हम ओकरा हमर सिंहासनमे हमरसङे बैठैले हक देबै, जनङ हम जितलियै आ आपन पितासङे ओकर सिंहासनमे बैठल चियै।’