11 तै खातिर उसब झुठे बात पतियाबे कैहके परमेस्वर भरमाइबला सक्तिके पठाइतै।
बहुतो झुठा अगमबक्तासब एतै, उ बहुतो लोकके बहकेतै।
बहुतो लोकसब हमर नाममे एतौ आ कहतौ कि, ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ आ बहुतोके बहकेतौ।
उसब परमेस्वरके सत ग्यानके बेकाम ठानल्कै। ओहैसे परमेस्वर ओकरासबके ओहैसबके कुबिचारमे छोइरदेल्कै।
कथिलेकी जे सुसमाचारमे बिस्बास कर कैहके आगरह करलियौ उ कोनो खराब वा असुध बिचारसे नै आ नै त कोनो छल-कपटसे छै।
पबितर आत्मा साफ-साफ कहैछै कि अन्तके दिनसबमे अहिनङो लोकसब हेतै जेसब बिस्बाससे पछा हटतै। उसब छल करैबला आत्माके आ भुतसबके देल सिक्छा मान्तै।
उसब सत बातसब सुनैले कान मुइनलेतै महज पहिन्का लोकसबके बनाल बनोतरी कथामे धियान देतै।