18 उसब घमन्डी आ मुरुख बात करैछै आ देहके लालसा देखाके भरखर खराब रस्तासे बाहर एलहा लया बिस्बासीसबके फसाबैछै।
औरो बहुत बातसबसे उ ओइसबके गबाही देल्कै आ सम्झाइत कहल्कै, “यि भरस्ट पुस्तासे तोरौरके आबैबला दन्डसे अपने-आपके बचा।”
ओहै सहरमे सिमोन नामके एकटा लोक ओतै छेलै। उ बहौत दिनसे आपन जादु देख्याके सामरियाके लोकसबके आस्चरजमे राखने रहै आ उ आपनके पैध लोक कहैछेलै।
अपनासब दिनके इजोतमे रहल जखा असल काम कर। रातके अन्हारमे करल खराब काम जखा मोजमजा, मातैबला काम, बेबिचार, भरस्टाचार, लराइ-झगरा आ डाह करैले छोर।
अहै खातिर हम परभुके देल अधिकारसे तोरासबके जोर द्याके कहैचियौ, आबसे तोरासबके चालचलन परमेस्वरके नै चिन्हैबलासब जखा नै हेबे। कथिलेत ओइसबके सोच-बिचार बेकार छै।
बेबस्था भङ करैबला लोक आपने बरका भ्याके लोकसब परमेस्वर मानैबला सब चिजसबके आ पुजा-पाठ करैबला सब चिजके बिरोध करतै। उ त परमेस्वरके मन्दिरमे बैठके उ आपनेके परमेस्वर चियै कहतौ।
तुसब पिरथिबीमे बहौत भोग-बिलासके जिन्गी बिताइने चिही आ भोग हैबला दिनके खातिर आपन देह पाइलके राखनेचिही।
ओकर महिमा आ भलाइके कारन उ अपनासबके अनमोल आ महान परतिग्यासब उ अपनासबके देनेछै, ताकी अइ सन्सारके अधलाह इक्छासे आबैबला बेकार बातसे बाँइचके इस्वरीय स्वभावमे सहभागी हो।
ओइसबके आँख बेबिचारसे भरल रहैछै आ कतबो पाप करैछै तैयो नै मन भरैछै। उसब चनचल मन भेल्हासबके फुस्यालैछै। ओकरसबके मन लोभसे भरल रहैछै। ओहैसे परमेस्वरके सराप ओइसबके उपरमे परलछै।
बहुतो गोरे ओकरसबके निरलज चालचलन अपनाइतै आ ओइसबके कारन सत सिक्छाके बदनाम करतै।
महज उसब अपनासबके परभु आ मुक्तीदाता येसु खिरिस्टके चिन्हके सन्सारके घिनलागैबला बातसबसे छुटकरा पाबलाके बाद फेनसे पापमे परैछै त ओकरासबके दसा पहिनेसे औरो बेसी खराब हैछै।
महज परमेस्वर लोतके सदोम सहरसे बचेल्कै, कथिलेकी उ धरमी छेलै। ओतेका खराब चालचलन भेल लोकसबके कारन उ दुख पाबने छेलै।
महज हे हमर पिरियसब, तुसब त यि बातसब पहिनेसे बुझलाके कारन होसियार रह। तब दुस्ट लोक तोरासबके अलमलमे नै परेसक्तौ आ तोरासबके बौकार बिस्बास कमजोर नै हेतौ।
उसब समुन्दरके बरका झोह जखा चियै आ आपन घिन्याल बात समुन्दरके गेजुवा जखा देखाइछै। उसब अने-ओने घुमैबला तरासब जखाछै, जकरासबके लेल सबदिनके खातिर पतालके अन्धकार राखलछै।
तकरबाद हम पिरथिबीसे निकलैत दोसर एकटा जानबर देखलियै। जकरा थुमा जखा दुइटा सिङ छेलै आ ओकर बोली अजेगर जखा छेलै।