15 हम मैरके गेलाके बादो तुसब यि बातसब याद कर कैहके हम सके जतहेक कोसिस कैर रहलचियै।
कोइ तोहर उपर झगरा लग्याके पन्च लग लजाइत खिना रस्तेमे मिलैके कोसिस कर। नै त उ तोरा पन्चके अगा लेजाइतौ आ पन्च तोरा सिपाहीके जिमा लगाइतौ आ सिपाही तोरा जहलमे ढोइकदेतौ।
उसब स्वरगिय इजोतसे चम्कैत रहै। उसब येसुके मिरतुके बारेमे बातचित करैछेलै। यि बात यरुसलेममे पुरा हैके छेलै।
सङे रहैत यि सब बात त हम तोरासबके पैहनै कहने छेलियौ, नै?
बहौतरा साक्छीसबके अगा जे बात तु हमर मुहसे सुनने चिही, से बात औरो लोकके सिखाइले सकैबला बिस्बास योग्य लोकसबके सोइप दहै।
बिस्बाससे हाबिल आपन भैया कयिनसे औरो बेसी गरहन योग्य बली परमेस्वरके चरहेल्कै आ ओहैसे हाबिल धरमी ठहरलै। ओकर चरहाल बलीके परमेस्वर सुइकार करल्कै। हाबिल मैरके चैलगेलै तैयो ओकर बिस्बासके उदाहरनसे अखुनो अपनासब सिखैले सकैचियै।
तुसब यि सब बात जान्बे करैचिही आ तोरासबके सिख्याल सत बातमे अस्थिर चिही तैयो हम यि सब बात तोरासबके हरदम याद दिलाइते रहबौ।