13 जाबेतक हम जिबित रहबौ, ताबेतक यि बात तोरासबके याद कराइत होसियार करेनाइ हमरा ठिक लागैछै।
अपनासबके पुरा भरोसा छै, बरु हमसब अइ भौतिक देह त्यागके परभुसङे रहैले चाहैचियै।
तोरासबके हम आपन हिरदयमे राखनेचियौ। तोरासबके बारेमे अनङ करनाइ हमरा ठिक लाग्लै कथिलेकी हम जहलमे रहैबेर आ बाहरमे रहैबेर सुसमाचार परचार आ अकरा जोगाइबला काममे परमेस्वरके देल अनुगरहमे तुसब हमरसङे सहभागी भेलचिही।
हम खिरिस्टके औरो निकसे चिन्हैले आ ओकरा जियाइबला सक्तीके अनुभव करैले चाहैचियै। ओकर जखा दुख सहैले आ मरैयोले इक्छा करैचियै,
तै खातिर हम तोरा याद कराइले चाहैचियौ कि, हम तोहर उपर हाथ राखै बखत जे बरदान परमेस्वर तोरा देने छेलौ, तकर पुरा सदउपयोग कर।
तुसब आपने जहलमे परल जखा जहलमे परलहासबके तुसब वास्ता कर। आपने दुख भोगल जखा अतियाचारमे परलहासबके याद कर कथिलेकी तुहुसब सरिरमे चिही।
तुसब यि सब बात जान्बे करैचिही आ तोरासबके सिख्याल सत बातमे अस्थिर चिही तैयो हम यि सब बात तोरासबके हरदम याद दिलाइते रहबौ।
कथिलेत हम जानैचियै, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट हमरा साफ-साफ देखादेनेछै कि यि माइटके देह जल्दिए छोइरके जाइले परतै।
हे हमर पिरियसब, यि तोरासबके लेल लिखल दोसर चिठी चियौ। यि दुनु चिठीमे कतहेक बात सम्झना कराके तोरासबके ठिकसे बिचार करैके लेल उत्साहित करैले कोसिस करनेचियौ।