8 तहै खातिर तुसब होसियार रह, जै बातके लेल तुसब मेहनत कैररहल चिही, तैके नै हरा बल्की तुसब पुरा इनाम पाबैबला भ्याजो।
येसु ओइसबके जबाफ देल्कै, “होसियार रह कि तोरासबके कोइ नै भरमाबे।
तै खातिर तुसब जागल रह! यि बात हम तोरासबके पहिने कैहदेनेचियौ।”
“आपन बारेमे तुसब होसियार रह! कथिलेत उसब तोरासबके अड्डा खनामे लजेतौ, यहुदी सभाघरसबमे लज्याके पिटतौ। हमर नामके खातिर तोरासबके सासकसब आ रजासबके अगामे हमर गबाही दैले खरा हेब्ही।
तब ओकरो कहल्कै, ‘तोरो पाँच सहरसबमे अधिकार देबौ।’
येसु कहल्कै, “होसियार रह, तोरासबके कोइयो नै बहकाबे। ‘समय नजदिक चैल एलछै’ आ हमर नाममे बहुत लोकसब ‘हम्ही खिरिस्ट चियै’ कहतौ, महज ओकरौरके पछा तुसब नै जैहे।
अखनियो बाली काटैबलाके बैन भेटैछै आ अनन्त जिबनके खातिर अन जमा करैछै, तब छिटैबला आ काटैबला दुनु सङे-सङे खुसी मनाबैछै।
सबसे पछा, समय नै पुगल अबस्थामे जलमल लोक जखा हमरो लग परभु परगट भेलै।
यदि जे लोकके काम आइगसे नास नै हेतै त, उ लोक इनाम पाबतै।
बिया छिटैबला आ पानी पटाबैबला बराबर चियै आ परमेस्वर सबकोइके आपन-आपन मेहनत अनुसारके इनाम देतै।
कि तुसब अतहेक दुख बेरथमे काटलिही त? हम आस करैचियौ, कि तुसब बेरथमे दुख नै काटलिही।
हमरा डर भ्यारहल छै, कि हम तोरासबके खातिर बेरथेमे दुख करलियै?
चाहे जे हेबे, हमसब जे बात पाबनेचियै तैमे बौकार भ्याके रह।
बितलहा दिनसबके याद कर, ओइ बखत परमेस्वरके ग्यान पाइबके तुसब बहुत दुख कस्ट भोगलिही, तैयो तुसब हार नै मानलिही।
अहैलेल तुसब आपन यि भरोसा नै तियाग। तोरासबके अकर बरका इनाम मिल्तौ।
होसियार रह कि कोइ नै परमेस्वरके अनुगरह पाबैसे छुटे, ताकी अबिस्बासके तित जैर बैढके तोरासबके बिचमे फुट नै आने। एहैन लोक बहुतो लोकसबके असुध नै बनाबे।
हम जल्दिए आइबरहल चियौ। तोहरमे भेल बिस्बासके बचाके राख ताकी कोइ नै तोरासे बिजयके मुकुट छिनके लेबे।