3 परमेस्वर पिता आ ओकर बेटा येसु खिरिस्टसे परेममे आ सत्यतामे हमरासबके अनुगरह, किरपा आ सान्ती देबे।
तुसब रोम सहरमे भेल सब लोकसबके परमेस्वर परेम करैछै, जे परमेस्वरके पबितर लोक हैकेलेल बोल्यालगेलछै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरासबके अनुगरह आ सान्ती मिले।
खिरिस्ट येसुमे नै त खतनाके नै त बेखतना कोनो मोल छै। महज एकेटा बातके मोल छै, उ यि चियै, अपनासब बिस्बासके कारन एक-दोसरके परेम करैचियै।
आब देख, अपनासबके परभु येसुके अनुगरह हमर उपर कतहेक बहौत छै कि उ आपन बिस्बाससे आ परेमसे हमरा भरल्कै।
बिस्बासमे हमर साँचोके बेटा तिमोथीके चिठी लिखरहलचियै। अपनासबके परमेस्वर पिता आ परभु येसु खिरिस्टसे तोरा अनुगरह, किरपा आ सान्ती मिले।
खिरिस्ट येसुमे भेल बिस्बास आ परेममे अस्थिर रैहके हमरसे सिखल्हा असल सिक्छाके तु नमुना बैनके लोकसबके सिखा।
साँचो परेम यि चियै कि, हमसब परमेस्वरके परेम नै करलियै महज तैयो परमेस्वर अपनासबके परेम करल्कै आ अपनासबके पापके बलिहैके लेल आपन बेटाके पठाइल्कै।
हम एल्डरके तरफसे, परमेस्वरके चुनल जनी आ ओकर बेटा-बेटीके यि चिठी लिखैचियै, जकरा हम साँचोके परेम करैचियै, हम मातरे नै महज सतके चिन्हैबला सबकोइ परेम करैछै।