7 ओहैसे हरेक लोक आपन मनमे सङकल्प करल बमौजी देबे। मन दुख्याके यात करकापसे नै दहै, कथिलेकी खुसिसे दैबलाके परमेस्वर परेम करैछै।
हम आपन सबकाम तोरासबके कैरके देखा देलियौ कि, तुहुसब अहिनङे मेहनत कैरके कमजोरसबके मदत कर आ परभु येसुके कहल बचन याद कर जे उ आपनेसे कहनेछै, ‘लेनाइ से देनाइ मे आसिस छै।’”
जकरसङे अरति-उपदेस दैबला बरदान छै त, अरति-उपदेस दैबला काम करे, दान दैबला बरदान पाबलहासब खाचोमे परलहासबके उदार-चितसे दान देबे, अगुवाइ करैबला पुरा मन लग्याके अगुवाइ करे, दया करैबला खुसिसाथ लोकसबके दया करे।
यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
महज तोहर अनुमती बिना हमरा अनङ करैले निक नै लागल कथिलेकी तु करकापमे नै महज आपने इक्छासे सहायता कर कैहके हम चाहैचियै।
हौ भाइ-भैयासब, एक-दोसरके बिरोधमे नै गनगनाइत रह, नै त तुसब दोसी ठहरबे। देख, नियाय करैबला देहरीएमे आइबगेलछौ।
एक दोसरके आपन-आपन घरमे बिना कच-कच सेबा-सत्कार कर।