14 परमेस्वरके परसस्त अनुगरह तोरासबमे भेलाके कारनसे उसब मन खोइलके तोरासबके लेल परथना करतौ।
हम तोरासबके कहैचियौ, आपन खातिर दुनियाके धनसे सङीसाथी बना, जब उ धन ओराइतौ, तब उसब तोरासबके स्वरगमे स्वागत करतौ।”
पबितर आत्मासे मिलल आसिस तोरासबसङे बाइटके बिस्बासमे बलगर बनाइले सकी कैहके तोरासबसे भेटैके खुब इक्छाछै।
तुसब परथनासे हमरासबके सहायता करेपरतौ। अहिनङ बहौत लोकके परथनाके उतरके रुपमे हमसब जे आसिस पाबनेचियै, तकर लेल बहुतो लोक परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइतै।
हे हमर पिरिय सङीसब, माकेडोनिया परदेसके मन्डलीसबमे परमेस्वरके देल अनुगरहके बिसयमे हमसब तोरासबके कहैले चाहैचियौ।
तुसब खिरिस्टके सुसमाचारमे बिस्बास कैरके आग्याकारी भेल बात आ तोरासबके खुल्ला हिरदयसे देल दानसे परमेस्वरके महिमा हेतै। यि सेबाके कामसे तुसब केहेन चिही कैहके लोकसबके परमानित हेतौ।
ओकर बखाने करैले नै सकैबला बरदानके लेल परमेस्वरके धन्यबाद हेबे।
खिरिस्ट येसुवे जखा हम्हु तोरासबके परेम करलासे तोरासबके भेटैके एकदम इक्छा करनेचियै से परमेस्वर जानैछै।
तोरासबके भेटैके ओकर एकदम इक्छाछै। उ बिमार परल बात तुसब सुनलासे उ एकदम चिन्ता कैररहलछै।
अहैलेल हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, तुहिसब हमर लेल पिरिय चिही। हम तोरासबके कतहेक याद करैत रहैचियौ। तुसब हमर आनन्द आ मुकुट चिही। हे हमर पिरियसब, अहिनङे तुसब परभुमे अस्थिर रह।
आब देख, अपनासबके परभु येसुके अनुगरह हमर उपर कतहेक बहौत छै कि उ आपन बिस्बाससे आ परेमसे हमरा भरल्कै।