5 हमरासबके आसा करलसे बहौत बेसि उसब देल्कै। उसब पहिने आपनेके परभुमे अरपन करल्कै तरकरबाद परमेस्वरके इक्छा अनुसार आपनेके हमरासबके हाथमे सोइप देल्कै।
तैल्याके हे भाइ-भैयासब, परमेस्वरके दयाके धियानमे राइखके हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ, तुसब आत्मिक आराधनाके रुपमे आपन-आपन देहके पबितर आ परमेस्वरके मनपरैबला जिबित बलीके रुपमे चरहा। ओकर आराधना करैबला सहि तरिका एह्या चियै।
आपन देहके अंगसबके दुस्टताके साधनके रुपमे पाप करैले नै सोप, महज मिरतुसे जिबनमे आनल लोकसबके जखा अपनाके परमेस्वरमे सोप आ परमेस्वरके असल कामके लेल आपन देहके अङसबके सोप।
हम पावल, परमेस्वरके इक्छासे खिरिस्ट येसुके परेरित हैकेलेल बोल्याल गेल चियै। हमरसङे अपनासबके भाइ सोस्थेनेसके तरफसे सेहो यि चिठी लिखैचियौ।
हमसब आपने बारेमे परचार नै करैचियै, महज येसुके खातिर हमसब तोरासबके सेबक भ्याके, येसु खिरिस्टे परभु चियै कैहके परचार करैचियै।
हे हमर पिरिय सङीसब, माकेडोनिया परदेसके मन्डलीसबमे परमेस्वरके देल अनुगरहके बिसयमे हमसब तोरासबके कहैले चाहैचियौ।