24 तुसब आपन परेमके परमान ओइसबके दहै आ हमसब कथिले तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै से बात मन्डलीसब देखे।
तकरबाद सारा यहुदिया, गालिल आ सामरियाके मन्डलीसबमे सताबटसे सान्ती भेलै। परभुके डर मानैत बिस्बासमे मजगुत भेलै। परमेस्वरके पबितर आत्माके जोस पाइबके मन्डलीसब बरहैत गेलै।
तितसके अगा हम तोरासबके बारेमे गर्भ करनेछेलियै, ओइमे हमरा कोनो लाज नै भेलै। जनङ हमसब तोरासबके कहल बात सत छेलै, ओहिनङे तितसके अगा हमरासबके करल गर्भ सेहो सत ठहरलै।
तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै। हम तोरासबमे एकदमे गर्भ करैचियौ। हम तोरासबसे पुरा रुपमे उत्साह पाबने चियौ आ कस्टोसबमे हम बहुत आनन्दित चियौ।
हम यि आग्याके रुपमे नै महज औरोसबके जोससङे तुलना कैरके तोरासबके परेम साँचो चियौ कैहके परमानित करैके लेल हम यि कहलियौ।