19 अतबे नै, अकरा जम्मा करल पैसा पुगाबैबला काममे हमरासबसङे जाइले मन्डलीसे छान्नेछै। यि काम हमसब परभुके महिमाके लेल आ हमरासबमे लोकसबके मदत करैबला मन छै से देखाइले करनेचियै।
जब उसब ओइसबके सब मन्डलीमे रेखदेख करैबलासब नियुक्त करल्कै, तब परथना आ उपासे रैहके आपन बिस्बास करल परभुमे ओइसबके सोइप देल्कै।
तकरबाद परेरितसब आ मन्डलीके अगुवासब मन्डलीके पुरा लोकसबसङे मिलके दुइ गोराके छानल्कै। उसब ओइ दुनुगोराके बरनाबास आ पावलके सङ लग्याके एन्टिओखिया पठाइले उचित ठानल्कै। उ चुनलहा बरनाबास कहाइबला यहुदा आ सिलास रहै। उ दुनुगोरा परभुमे बिस्बास करैबलासबके अगुवा रहै।
तै कारन हमसब बैठकी कैरके सल्लाह करलियै, तब एकमत कैरके हमरासबके बात अहाँसब लग पुगाइले हमरासबके बिचसे चुइनके हमरासबके पिरिय बरनाबास आ पावलके सङे पठाइले निरनय करलियौ।
तब पावल आपन दुइ सहकरमी, तिमोथी आ इरास्तसके उ माकेडोनियामे पठाइल्कै, महज आपने कुछदिन एसियेमे रहलै।
तब पुरे सहरमे हुलदङा मच्लै आ उसब एकमत भ्याके पावलके सहकरमी माकेडोनिया बासि गायस आ अरिस्तारखसके पकैरके रङसालामे घिस्याइते ल्यागेलै।
अतबेक नै, महज अपनासबके परभु खिरिस्ट दुवारा अपनासब परमेस्वरमे आनन्द मनाबैचियै कथिलेत ओकरे दुवारा अपनासबके परमेस्वरसङे मिलाप भेलछै।
अतबेक नै, हमसब आपन दुख-कस्टमे सेहो आनन्द मनाबैचियै कथिलेत हमसब जानैचियै कि दुख-कस्टसे सहनसिलता उतपन कराबैछै,
यि सब तोरेसबके हितके लेल भेल छै, कथिलेकी जतेक बहुत लोकसब परमेस्वरके अनुगरह पाबतै ओतेक बहुत परमेस्वरके महिमाके लेल ओकरा धन्यबाद दैबला काम हेतै।
आब तुसब आपनसे सुरु करल काम पुरा कर। ओइ समयमे तोरासबके दैके इक्छा बहौत छेलौ आ सके जतहेक औकात अनुसार द्याके आपन इक्छा पुरा कर।
यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
हमरासबके कोइ दोस नै लगाबे कैहके उदार चितसे देल यि भेटीके हमसब होसियारीसाथ चलाइचियै।
कथिलेत तुसब सहायता करैके लेल एकदमसे तयार चिही से हम जानैचियै। हम तोरासबके बारेमे माकेडोनिया परदेसके लोकसबके गर्भ कैरके कहलियै कि पौरकेसे तु अखैया परदेसमे भेल लोकसब भेटी दैकेलेल तयार चिही। तुसब उत्साहित भेलाके कारन उसब सेहो औरो बेसि उत्साहित भेलछै।
परमेस्वर तोरासबके हरेक परकारके आसिस परसस्त कैरके दैले सक्तौ, ताकि तोरासबसङे सबदिन हरेक चिज परसस्त हेबे आ हरेक असल कामके लेल तुसब परसस्त कैरके दैले सक।