5 कथिलेकी हमसब माकेडोनिया एलाके बादो हमरासबके कोनो बिसराम नै मिल्लै महज चारु दिसनसे हमरासबके कस्ट एलछेलै, बाहरसे लोकसबसङे झगरा आ हिरदय भितर डरे-डर छेलै।
जब ओते हुलदङा सान्त भेलै तब पावल बिस्बासीसबके बोलाइल्कै आ उत्साहके बचनसब कैहके उसबसे बिदा भ्याके माकेडोनिया इलाका दिसन गेलै।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके कारन परभु येसु खिरिस्टमे हम गर्भसे यि कहैले सकैचियौ, कि हम दिन-दिने मिरतुके खतरामे परैचियै।
हम माकेडोनिया परदेसके यातरा करलाके बाद तोरासबलग भेटघाट करैले एबौ, कथिलेकी पहिने माकेडोनिया जाइके हमर योजनाछै।
महज हमर बिस्बासी भाइ तितस ओते नै भेटलाके कारन हमर मन बेचैन भेलै। तहैलेल ओइसबसे बिदा भ्याके हम माकेडोनिया परदेस दिसन गेलियै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ।
हमरा डर भ्यारहल छै, कि हम तोरासबके खातिर बेरथेमे दुख करलियै?
ओहैसे जब हमरा नै रहल गेलै त, तुसब बिस्बासमे बलगर चिही कि नै बुझ्हैके लेल तिमोथिके तोरासबलग पठेलियौ। पापमे फसाइबला सैतान कहि तोरासबके फसाके हमरासबके करल मेहनत बेकार कैरदेल्कै कि कथी कैहके हम घबरागेलियै।