13 अहैकारन हमरासबके सान्तबना मिललछै। हमरासबके भेटल आपने सान्तबना बाहेक तितसके आनन्दमे हमसब बेसी रमाहट भेलियै, कथिलेकी तोरासबके बेबहारसे ओकर मनके सान्ती मिललछै।
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
यदि परमेस्वरके इक्छा हेतै त हम खुसीसे तोरासबलग एबौ आ तोरासबसङे संगती कैरके आनन्द मनाइबौ।
यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
होसियार भ्याके बिस्बासमे अरल रह। साहसी आ बौकार हो।
उसब हमर आ तोरासबके मनके सेहो उत्साहित बनाइनेछौ। ओहैसे तोरासबके एहेन लोकसबके आदर करैले परतौ।
महज हमर बिस्बासी भाइ तितस ओते नै भेटलाके कारन हमर मन बेचैन भेलै। तहैलेल ओइसबसे बिदा भ्याके हम माकेडोनिया परदेस दिसन गेलियै।
हम एबै त हमरा खुसी दैबला लोकसबसे हमर चित नै दुखे कैहके हम उ चिठी लिखने छेलियै। कथिलेकी हमरा आनन्द हेतौ त तोरोसबके आनन्द हेतौ कैहके हमरा पक्का बिस्बास छै।
तितसके अगा हम तोरासबके बारेमे गर्भ करनेछेलियै, ओइमे हमरा कोनो लाज नै भेलै। जनङ हमसब तोरासबके कहल बात सत छेलै, ओहिनङे तितसके अगा हमरासबके करल गर्भ सेहो सत ठहरलै।
तोरासबके आग्याकारिताके जिबन, डर आ आदरकेसाथ ओकरा स्वागत करलिही। यि सब बात याद कैरके तितस तोरासबके औरो बेसि परेम करैछौ।
महज निरास भेलसबके सान्तबना दैबला परमेस्वर तितस एलासे हमरासबके सान्तबना देल्कै।
ओहैलेल हम ओकरा पठाबैके लेल औरो बेसी इक्छा करनेचियै ताकी ओकरा फेनसे देखके तुसब खुस हेब्ही आ हमरो चिन्ता कम हेतै।
परभु ओनेसिफरसके घरानाके किरपा राखे, कथिलेत उ हमरा जतेक बेर भेटै ततेक बेर हौसला बरहाइत रहै। हमर हाथमे जंनजिर बान्हल छेलै तैयो उ लाज नै मानल्कै।
ओहैसे हे हमर पिरिय भाइ, परभुके खातिर यि हमर लेल कैरदहै आ हमर हिरदय खिरिस्टमे आनन्द हेबे।
हे हमर भाइ, तोहर परेमसे हम बहौत आनन्द आ सानत्वना पाबनेचियै, कथिलेकी तोहरसे परमेस्वरके जनसबके हिरदय फेनसे तजा भेल छै।
अन्तमे हम यि कहैले चाहैचियौ, तुसब एके मनके हो, एक दोसरके पिर मरका बुझ, एक दोसरके भाइ दाखिल माइनके परेम कर। तुसब दयालु आ नम्र बन।