10 जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सन्सारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै।
तब येसुके कहल बात पतरुसके याद परलै, “मुरगा डाँक दैसे पैहने तु हमरा तिन बेर इन्कार करबिही।” तब पतरुस बाहर निकैलके हेकैच-हेकैचके काने लाग्लै।
हम तोरासबके कहैचियौ, अहिनङे पस्चाताव करैबला पापीके लेल स्वरगमे परमेस्वर स्वरगदुतसबके अगा खुसी मनाबैछै।”
“महज उ बटी उठाइबला लोक दुरे ठार भ्याके स्वरग दिसन आँखके पलकियो नै मारके आपन छाति पिट-पिटके कहल्कै, ‘हे परमेस्वर, हम पापी उपर दया करु!’”
यि बात सुइनके परभुमे बिस्बास करैबला यहुदीसब पतरुसके दोस लगाइले छोइरदेल्कै आ परमेस्वरके परसन्सा करल्कै, “आब त परमेस्वर आनो जातीसबके पापसे पस्चाताप कैरके अनन्त जिबन पाबैके अबसर देने छै।”
तै खातिर तुसब पस्चाताप कर आ आपन मन बदल जैसे तोरासबके पाप मेटाबे आ परमपरभुसे आनन्दके समय आबे,
तोरासबके भेटैले फेर एबौ त परमेस्वर हमरा तोरासबके अगा निच बनाइतै कैहके हमरा डर लागैछै। जेसब पहिने पाप करने छेलै आ तोरासब आपनेसे करल असुध काम, बेबिचार, घिनलागैबला छाडा कामसे पस्चताप नै करनेचिही त हमरा निच बनैले परतै।
ओइ चिठीसे तोरासबके दुखित करल्कौ कैहके हम खुस नै चियै महज उ दुखसे तोरासबके पस्चाताप दिसन आ जिबन परिबरतन दिसन ल्याके गेलै कैहके हम खुस चियै। तुसब परमेस्वरके इक्छा सुइकार करलाके कारन दुख भेलौ, हमरासबके कारनसे तोरासबके कोनो हानी नै भेलौ।
तोरासबके थाहेछौ कि, पाछुसे उ आपन बाबुसे आसिरबाद लैले चाहल्कै महज लेबे नै सक्लै। कथिलेकी पस्चाताप करैके मौका नै पाबल्कै तैयो उ लोर बहाके आसिरबाद लैले चाहल्कै।