14 येसुमे बिस्बास नै करैबलासबसङे एकसाथ एकेटा जुवामे नै जोता। कथिलेकी धरमी आ अधरमी कनङके मिल्तै? इजोत आ अन्हार एक ठाम कनङके रहे सक्तै?
सन्सारके लोकसब तोरासबके घिरना नै करे सक्तौ, महज हमरा त घिरना करैछै, कथिलेत उसबके काम दुस्ट छै कैहके हम गबाही दैचियै।
ओतेसे छुटलाके बाद पतरुस आ युहन्ना आपन सङि-साथीसबलग एलै, मुल पुजारीसब आ अगुवासबके कहल बातसब ओइसबके सुनादेल्कै।
तुसब परभुके बाटी आ भुत-परेतसबके बाटी दुनुसे पियैले नै सकबिही। तहिनङे तुसब परभुके भोज आ भुत-परेतसबके भोज दुनु खाइले नै सकबिही।
एहन बातसबके धोखामे नै पर। कथिलेत खराब सङहतसे असल लोक सेहो बिगरैछै।
हम तोरासबके बेबिचार करैबला लोकसबके सङहत नै कर कैहके चिठीमे लिखने छेलियौ।
महज एकटा बिस्बासी भाइ दोसर बिस्बासी भाइसङे झगरा कैरके नियाइके लेल बिस्बास नै करैबलासबके लग ल्याजाइछै!
जाबेतक घरबला जिबित रहैछै ताबेतक घरबाली आपन घरबलाके अधिनमे रहैछै। महज ओकर घरबलाके मिरतु भेलाके बाद उ स्वतन्तर हैछै आ उ जकरसे बियाह करैके मन लागैछै तकरसे बियाह करे सकैछै महज उ बिस्बासी हैकेचाही।
अहिनङ तुसब पापी आ दुस्ट पुस्ताके बिचमे दाग नै भेल परमेस्वरके बेटा-बेटी जखा निरदोस आ सुध हेब्ही। जनङ तरासब अकासमे चमचम चम्कैछै, तहिनङे तुहुसब यि सन्सारमे ओइसबके बिचमे चम्कैले परतौ।
हे बेबिचारी लोकसब! परमेस्वरके छोइरके यि सन्सारके खराब चालचलनमे चलैबला लोकसब परमेस्वरके दुस्मन हैछै से बात तोरौरके थाह नै छौ? अहैलेल यदि कोनो लोक यि सन्सारके खराब चालचलनमे चल्तै, उ परमेस्वरके दुस्मन चियै।