13 आब हम तोरासबके आपने बेटा-बेटी जखा समैझके यि कहैचियौ कि तुहुसब आपन हिरदय हमरासबके लेल खुल्ला राख।
अहै खातिर हम तोरासबके कहैचियौ, तुसब परथनामे जे माङबिही, से पाइबगेलचिही कैहके बिस्बास कर आ उ मिल जेतौ।
भाइ-भैयासब, हम बिन्ती करैचियौ, एह्या बातसबके बारेमे जहिना हम चियै तहिनङे तुसब बन कथिलेत त जहिनङे तुसब पहिने बेबस्थाके अधिनसे स्वतन्तर भेल छेल्ही तहिना हम्हु स्वतन्तर भेलचियै। तुसब हमरा कोनो खराबी नै करनेचिही।
हमर धियापुतासब, तोरासबमे जाबे तलिक खिरिस्टके स्वभाब नै बन्तौ ताबे तलिक हम फेनो जलमासोचके पिरा जखा दुख सहैत रहबौ।
तुसब जान्बे करैचिही कि माँ-बाबु आपन बेटा-बेटीके सङे केहेन बेबहार करैछै तैहिने हमसब तोरासबसङे हरेक गोराके करलियौ।
हे हमर दुलरुवा धियापुतासब, तुसब पाप नै करिहे कैहके यि बात तोरासबके खातिर लिखैचियौ। महज कोइ पाप करियोलेतै त अपनासबके दिसनसे पितासङे बिन्ती करैबला एक गोरा धरमी येसु खिरिस्ट छै।
हे हमर धियापुतासब, अपनासब खाली मुह आ बातसे मातरे परेम नै कर, महज अपनासब काम आ सत्यतासे परेम करैजो।
हे पिरिय धियापुतासब, कोइ नै तोरासबके बहकाबे। धारमिकतामे चलैबला लोक खिरिस्ट जखा धरमी हैछै।
हमर बेटा-बेटीसब सतके रस्तामे चलैछै कैहके सुन्नाइसे बरका आनन्द हमर लेल औरो कथी हेतै?