7 अपनासब आँखसे देखल बातके आधारमे नै, बल्की बिस्बासके आधारमे जियैचियै।
अखुन हमसब ऐनामे धोनराह देखैचियै, महज ओइ बखतमे साफ-साफ देख्बै। अखुन हम कमे बुझैचियै महज ओइ बखत परमेस्वर हमर बारेमे सब बात जानल जखा, हम्हु सब बात जान्बै।
हमसब तोरासबके बिस्बासमे अधिकार जमाइले नै चाहैचियौ, बरु तोरासबके खुसिके लेल तोरेसबसे मिलके काम करैले चाहैचियौ। कथिलेकी तुसब आपन बिस्बासमे अस्थिर चिही।
हमसब देखैबला चिजसबमे नै, महज नै देखैबला चिजसबमे मन लगाइचियै, कथिलेकी जे चिजसब देखैबला छै, उ कुछ समयके लेल मातरे रहैछै, महज जे चिजसब नै देखाइछै उ सबदिनके लेल रहैछै।
हमर पहिन्का स्वभाब खिरिस्टेसङे कुरूसमे मरल छै। आबसे हम नै महज खिरिस्ट हमरमे जियैछै। जे जिबन अखन हम सरिरमे जियैचियै से परमेस्वरके बेटामे बिस्बास कैरके जियैचियै कथिलेत उ हमरा परेम करल्कै आ हमर खातिर उ बलिदान भेलै।
हमर धरमी लोकसब बिस्बाससे जिबित रहतै महज ओइसबमेसे कोनो लोक पछा हटतै त, हम ओकरसे खुसी नै हेबै।”
तुसब ओकरा नै देख्नेचिही तैयो परेम करैचिही। अखैन तुसब नै देखैचिही तैयो ओकरमे बिस्बास करैचिही आ बखाने नै करेसकैबला गौरबमय आनन्दमे तुसब खुसी चिही।
बिस्बासमे बौकार भ्याके सैतानके बिरोध कर। कथिलेकी सन्सारमे भेल औरो बिस्बासीसब सेहो अहिनङे दुख भोइगरहलछै से बात तोरासबके थाहेछौ।