19 परमेस्वर आपनेसे खिरिस्टमे रैहके सन्सारके सब लोकसबके अपराधके लेखा नै ल्याके मिलापमे आइनरहलछेलै। आबसे यि मिलापके सेबा अपनासबके जिम्मा देनेछै।
“देख, कुमाइर छौरीके देहभारी हेतौ आ उ एकटा बेटा जलमाइतौ आ ओकर नाम इम्मानुएल राखल जेतै” जकर अरथ हैछै, “परमेस्वर हमरासबसङे छै।”
‘हम पितामे आ तुसब हमरमे आ हम तोरासबमे चियौ’ से बात तुसब ओइ दिन जानबिही।
हम ओकरासबमे आ अहाँ हमरमे चियै। अहिनङके उसब पुरा रुपसे एक हेबे आ अहाँ हमरा पठाइनेचियै आ जहिनङे अहाँ हमरा परेम करैचियै तहिनङे हमरमे बिस्बास करैबलासबके परेम करैचियै से सन्सारके लोकसब जाने।
कथिलेत इजराएलीसब परमेस्वरके असुइकार करलासे सन्सारके लोकसबके ओकरसङे मिलाप भेलै त, ओकरासबके आपन बनाइतै त झन कतहेक निक हेतै! यि त मरलसे जिबित भेल जखा हेतै।
परेम हठी नै हैछै, नै जिद्दी हैछै। परेम आपने बारेमे मातरे नै सोचैछै, दिक्क नै मानैछै आ खराबीके हिसाब नै राखैछै।
कथिलेत परमेस्वरके सारा परिपुर्नता खिरिस्टके देहमे बास करैछै।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।
साँचो परेम यि चियै कि, हमसब परमेस्वरके परेम नै करलियै महज तैयो परमेस्वर अपनासबके परेम करल्कै आ अपनासबके पापके बलिहैके लेल आपन बेटाके पठाइल्कै।