हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्वरके देल देह स्वरगमे अनन्ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै।
कथिलेकी जे सुसमाचार हमसब सुनेलियै उ सब्द मातरे नै महज सक्तीके साथ, पबितर आत्माके साथ आ पुरे निस्चयताके साथ एलै। जखन हमसब तोरासबके सङे रहलियै त केहेन चालचलनके जिबन जिलियै से तोरासबके थाहे छौ।