तब बचन लोक बैनके अपनासबके बिचमे बास करल्कै आ अपनासब ओकर महिमा देखलियै, जे महिमा परमेस्वरसे आबैबला एक मातरे बेटामे छेलै। उ आपनौरके पुरा रुपसे अनुगरह करैछै आ सत बात मातरे बोलैछै।
तब येसु ओइसबके कहल्कै, “औरो कुछ समयतलिक इजोत तोरासबसङे छौ। इजोत रैहते तुसब चलफिर कर, नै त अन्हार तोरासबके झाइपदेतौ। जे अन्हारमे चलैछै, उ कते ज्यारहल छै से उ नै जानैछै।
“परमेस्वर ओइसबके आँख बन्द कैरदेनेछै आ ओकरासबके हिरदय कठोर बन्यादेनेछै। तैल्याके उसब आपन आँखसे नै देखे आ हिरदयसे नै बुझे, नै त उसब घुइमके एतै आ हम ओइसबके निक करतियै।”
हम तोरासबके बिचमे जे काम करने छेलियौ, उ काम औरो दोसर नै करने छै। यदी उ काम हम नै करने रहतियै त, उसब पापके दोसी नै हेतियै। महज हमर करल अजगुत कामसब देखियोके उसब हमरा आ हमर पिता दुनोगोराके घिरना करैछै।
हमर कहैके मतलब यि चियै कि, जे बली मुरतिपुजा करैबलासब चरहाबैछै उ परमेस्वरके नै बल्की भुत-परेतसबके चरहाबैछै आ हम नै चाहैचियौ कि तुसब भुत-परेतसबसङे सहभागी हो।