9 जब दोसी ठहराबैबला बेबस्था महिमामय छेलै त कि धरमी ठहराबैबला काम ओइसे बेसी महिमामय नै हेतै?
ओकर खतना बिस्बास दुवारा धरमी ठहरल चेन्हा चियै। अहिनङ कैरके उ खतना नै करल महज परमेस्वरमे बिस्बास कैरके धरमी ठहरैबला लोकसबके आत्मिक पुरखा भेलै।
परमेस्वरके कारन तुसब खिरिस्ट येसुमे चिही, परमेस्वर खिरिस्ट येसुके अपनासबके लेल बुधि, धरमी, पबितर आ पापसे छुटकरा दैबला बनाइल्कै।
सुरुजके इजोत एक किसिमके, चानके दोसर किसिमके आ तरासबके इजोत तेसर किसिमके छै। कथिलेत एकटा तराके इजोत दोसर तराके इजोतसे अलग हैछै।
पबितर आत्मासे आबैबला सेबाके चमक औरो बेसी महिमामय नै हेतै?
येसु खिरिस्टमे पाप नै छेलै, तैयो परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टमे धरमी ठहराबैके लेल अपनासबके पाप खिरिस्टमे राइखदेल्कै।
बेबस्था पालन कैरके धरमी हैले चाहैबलासब सरापके अधिनमे रहैछै कथिलेत पबितर धरमसास्तर कहैछै, “बेबस्थाके किताबमे लिखल सब बात नै मानैबला लोकसब सरापित हैछै।”
ताकी पुरा रुपसे हम ओकरमे एक भ्यासकी। बेबस्था पालन कैरके परमेस्वरके अगा हम धरमी हैले नै सक्बै महज आब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे परमेस्वरे हमरा धरमी ठहराइल्कै। यि धारमिकता बिस्बासमे अरल छै।
हम सिमोन पतरुस, येसु खिरिस्टके दास आ परेरितके तरफसे अपनासबके परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके धारमिकतासे अपनेसब जखा अनमोल बिस्बास पाबैबलासबके लेल यि चिठी लिखरहल चियै।