17 आब परभु आत्मा चियै आ जते परभुके आत्मा छै ओते स्वतनन्तरता रहैछै।
जिबन दैबला त परमेस्वरके आत्मा चियै। देहके कोनो महत्व नै छै। जे बचन हम तोरासबके देनेचियौ, उ परमेस्वरके आत्मासे एलचियै आ तोरासबके जिबन देतौ।
तब तुसब सतके जानबिही आ सत तोरासबके छुटकारा देतौ।”
कथिलेत परमेस्वरके आत्मा येसु खिरिस्टमे बिस्बास करैबलासबके अनन्त जिबन दैछै। अपनासबके पापके नियम आ मिरतुसे छुटकरा दैछै।
तैखातिर पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल छै, “पहिल्का लोक आदम जिबित परानी भेलै।” महज अन्तिम आदम अरथात खिरिस्ट जिबन दैबला आत्मा चियै।
हमरासबके नै झापले चेहरासे परभुके महिमाके झलकाइचियै। परभु आत्मा चियै आ उ अपनासबके औरो आपनलखा महिमामय रुपमे परिबरतन कैरतेजेतै।
ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।
तुसब परमेस्वरके बेटा-बेटी भेलासे उ आपन बेटाके आत्मा अपनासबके हिरदयमे राइखदेनेछै, जैसे “हे अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।
भाइ-भैयासब, तुसब स्वतन्तर हैले बोल्याल गेलचिही। यि स्वतन्तरताके आपन पाप स्वभाबके इक्छा पुरा करैले परयोग नै कर। बरु परेमसे एक दोसरके भलाइ कर।
कथिलेत परमेस्वर अपनासबके डरके आत्मा नै महज, सक्ती, परेम आ आपनके बसमे राखैबला आत्मा देनेछै।