“परमेस्वर ओइसबके आँख बन्द कैरदेनेछै आ ओकरासबके हिरदय कठोर बन्यादेनेछै। तैल्याके उसब आपन आँखसे नै देखे आ हिरदयसे नै बुझे, नै त उसब घुइमके एतै आ हम ओइसबके निक करतियै।”
हे हमर भाइ-भैयासब, हम तोरासबके एकटा रहसके बात थाह हेबे कैहके चाहैचियौ। उ बात तोरासबके थाह हेतौ त तुसब आपनेके बुधिमान ठाइनके घमन्ड नै करबिही। उ रहसके बात यि चियै कि, खिरिस्टमे आबैबला गैर-यहुदीसब बिस्बास नै करैतक बहुतो इजराएलीसबके हिरदय कठोर हेतै।
ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।